33 परमेस्वर येसुके मरलसे जियाके उ यि परतिग्या अपनासबके आ ओकरसबके धियापुताके खातिर पुरा करने छै। जनङ धरमसास्तरके भजनसङगरहके दोसर अध्यायमे लिखल छै, ‘तु हमर बेटा चिही, आइके दिन हम तोरा जलम देनेचियौ।’
खिरिस्ट सेहो परधान पुजारी हैबला आदर आपने नै लेल्कै, महज ओकरा यि कहैबला आदर देल्कै, “तु हमर पिरिय बेटा चिही आ आइ हम तोहर बाबु भेल चियौ।”
उ मरलाके बाद जिबित भ्याके उठलै तब चेलासब ओकर कहल बातके याद करल्कै। तहियासे उसब धरमसास्तरमे लिखल आ येसुके कहल बातसबमे बिस्बास करल्कै।
महज ओकरा परमेस्वर मरनके दुखसे छुटकारा द्याके जिबित करल्कै। कथिलेत ओकरा मिरतुके अधिनमे रहनाइ असम्भब छेलै।
“अहै येसुके परमेस्वर जिबित करल्कै। यि हम सबकोइ अकर साक्छी चियै।
तब उ तुरन्ते सभाघरसबमे ज्याके परचार करे लाग्लै, “येसुवे परमेस्वरके बेटा चियै।”
महज परमेस्वर येसुके मरलोके बाद फेनो जिबित करल्कै।
उ येसुके फेनो कहियो नै मरेपरतै तनङके जिएल्कै तै बातमे परमेस्वर अनङ कहनेछै- ‘पबितर आ अटल आसिसके बचन जे दाउदके देलगेल छेलै, से हम तोरासबमे पुरा करबौ।’
महज जकरा परमेस्वर मरलसे जियाइल्कै ओकर देह नै सड़लै।