तब ओतेसे उसब पानी जहादमे चहैरके एन्टिओखिया सहरमे गेलै, जते परभुमे बिस्बास करैबला लोकसब बरनाबास आ पावलके परमेस्वरके किरपामे सौपके परचारके काममे पठाइने छेलै, से काम पुरा कैरके एलै।
तब करनेलियस जबाब दैत कहल्कै, “चार दिन अगाके बात चियै। दिनके तिन बजे हम आपने घरमे परथना करैत रहियै। एकाएक चम्कैबला बस्तर पिन्हल एकटा लोक हमर अगामे ठार भेलै,
घरबला आ घरबाली एक-दोसरके सारिरीक समबन्धसे इन्कार नै कर। इन्कारो करबिही त परथनामे समय बिताबैके लेल एक-आपसमे सल्लाह कैरके कुछ समयके लेल अलग रह। तब फेर एकसाथ रह, नै त तुसब आपन मन थामैले नै सक्लाके कारनसे सैतान तोरासबके परिक्छामे पारतौ।