14 महज उसब परगासे निकैलके पिसिदियाके एन्टिओखिया सहरमे एलै। ओते उसब बिसराम दिनमे यहुदीसबके सभाघरमे ज्याके रहलै।
लदीके कातमे यहुदीसबके परथना करैबला ठाम हेतै से समैझके हमसब पबितर बिसरामके दिन ओते गेलियै तब ओते जम्मा भेल्हा जनिसबसङे बात-चित करे लागलियै।
पावल आपन आदत अनुसार अहौ ठामके सभाघरमे गेलै। उ ओते तिन हप्ता तक पबितर बिसराम दिनमे धरमसास्तरमे लिखल बातसबमे ओइसबसङे बात-चित करैत रहलै।
तकरबाद कुछ यहुदीसब एन्टिओखिया आ आइकोनियनसे ओते एलै आ लोकसबके आपन पक्छमे कैरके पावल उपर पथलबाही कराइल्कै। उ मरगेल हेतै कैहके ओकरा घिस्याइत लज्याके सहरसे बाहर फेकदेल्कै।
सलामिस सहरमे पुग्लाके बाद उसब ओते यहुदीसबके सभाघरमे परमेस्वरके बचन सुनाबे लाग्लै। यि काममे सहयोग करैले मरकुस कहाइबला युहन्ना ओकरौरके सङे रहै।
सब बिसराम दिनके पावल सभाघरमे ज्याके यहुदी आ गिरिक लोकसबसे बात-चित करै आ उसब सेहो परभु येसुके सुइकार करे कैहके ओकरासबके मनाइले चाहैत रहै।
तब पावल यहुदी सभाघरमे गेलै आ साहसके साथ तिन महिनातक परमेस्वरके राजके बारेमे परचार आ बात-चित करैत लोकसबके बुझाइत रहलै।
दोसर बिसरामके दिनमे परमेस्वरके बचन सुनैले सब सहरके सब लोकसब उनैटके चैलएलै।
जखुन पावल आ बरनाबास सभाघरसे बाहर निकलैत खिना आबैबला बिसरामके दिन यि बात सुन्या दैहे कैहके लोकसब ओइ दुनु गोराके बिन्ती करल्कै।
तब उ तुरन्ते सभाघरसबमे ज्याके परचार करे लाग्लै, “येसुवे परमेस्वरके बेटा चियै।”
येसु नासरत गाममे एलै, जते उ बरहल छेलै। ओते उ पबितर बिसरामके दिन यहुदी सभाघरमे जाइ छेलै। पबितर धरमसास्तर परहैले ठार भेलै।
तब पावल आ बरनाबास साहस कैरके कहल्कै, “परमेस्वरके बचन सबसे पैहने तोरासबके सुनेनाइ जरुरी छेलै, महज तोरौरके सुनैले नै मानलिही। तोरौरके आपनके अनन्त जिबनके योगके नै मानैचिही। आब हमसब दोसर जातीके लोकसबके परमेस्वरके बचन सुनाबे जेबै।
हम एन्टिओखिया, आइकोनियन आ लुस्तरा सहरमे केहन-केहन दुख भोगे परलै, से बात तु निक जखा जानैचिही। महज परभु हमरा ओइ सब आफत-बिपतसबसे बचेल्कै।