12 तब बडा-हाकिम यि घटना देखके परभु येसुके बिस्बास करल्कै। उ परभुके सिक्छासे छक परल रहै।
उ जादुगर साइपरस टपुके बडा-हाकिम सरगियस पौलुसके सङे रहैछेलै। सरगियस पौलुस बुधिमान लोक रहै, उ बरनाबास आ साउलसे परमेस्वरके बचन सुनी कैहके ओइसबके आपन घरमे बजेल्कै।
सब लोकसब येसुके परसन्सा करल्कै आ अनुगरहसे भरल येसुके बचन सुइनके छक परलै। तब उसब कहैछेलै, “कि यि योसेफके बेटा नै चियै?”
ओइ टपुके मुखिया पब्लियसके घर ओहै आसपासमे छेलै। पब्लियस हमरासबके आपन घरमे लज्याके सेबा सत्कार करल्कै। हमसब तिन दिनतक ओकर घरमे मेजमान बैनके रहलियै।
उसब करिब बारह गोरा छेलै।
पावल आ बरनाबास कुछ समय तक एन्टिओखियामे औरो बहौतगोरा सङे मिलके परभुके सिक्छा दैत परचार करैत रहलै।
अहिनङे परमेस्वरके बचन ओइ इलाकामे पसरलै।
महज स्तिफनसके बोलैत खिना पबितर आत्मा अतहेक निक बुइध देल्कै कि उसब ओकर सामने नै टिके सक्लै।
पहरेदारसब जबाफ देल्कै, “उ लोक जखा त अखुनतक कोनो लोक नै बोल्नेछै!”
तब सबकोइ डेरागेलै आ परमेस्वरके परसन्सा करैत कहल्कै, “अपनासबके बिचमे एकटा बहुत बरका अगमबक्ता एलछै। परमेस्वर आपन लोकसबके बचाइले एलछै।”
रोमी कप्तान आ ओकरजरे येसुके ओगरैबला सिपाहीसब भुमकौन आ यि घटनासब देखके बहौत डेरेलै आ कैह उठलै कि, “साँचोके यि त परमेस्वरके बेटा रहै।”
पतरुस आ युहन्ना दुनुगोरा परभु येसुके बारेमे जानल आ सुनल बचनसब परचार करल्कै। तब सामरियाके बहौत गामसबमे सुसमाचार परचार करैत यरुसलेम दिसन घुइमके गेलै।
महज उ जादुगर एलुमास (गिरिक भसामे एलुमासके अरथ जादुगर चियै) ओकरौरके बिरोध करल्कै आ सरगियस पौलुसके बिस्बास करैसे रोकैके कोसिस करल्कै।
जब गैर-यहुदीसब यि बात सुनल्कै, तब उसब खुसी भेलै आ परमेस्वरके बचनके गुनगान करल्कै आ अनन्त जिबनके खातिर नियुक्त भेल्हा सबलोक बिस्बास करल्कै।
कुछ समय बितलाके बादमे पावल बरनाबासके कहल्कै, “आब अपनासब परमेस्वरके बचन परचार करलहा सहरसबमे फेनो चल आ ओतेका परभुमे बिस्बास करैबला सब भाइ-भैयारीसब केहन छै से जानकारी लेब।”
जब अखैया इलाकाके गलियोन नामके लोक बडा-हाकिम रहै बखत यहुदीसब एकमत भ्याके पावलके बिरोध करैत ओकरा पकैरके बडा-हाकिम लग लज्याके कहल्कै,
दुइ बरिसतक अहिनङे चलैत रहलै आ एसिया परान्तके सब बासिसब, यहुदी आ गिरिक दुनु परभुके बचन सुनल्कै।
अहिनङे परभुके बचन फैलैत आ परभाबसाली हैतगेलै।
तै खातिर डेमेतेरियस आ ओकर सोनारसबके बिरोधमे कुछो बात कहनेछौ त अदालत छेबे करौ आ नियाइधिसोसब छेबे करौ। उसब एक-दोसरके बिरोधमे मुदा लरौक।