9 तब पतरुस जहलसे निकैलके ओकर पछा-पछा गेलै। यदी स्वरगदुतके करल बात साँचोके चियै से ओकरा थाहे नै भेलै। महज उ दरसन देखैचियै से समझल्कै।
बिस्बास दुवारा अबराहम परमेस्वरके कहल मानल्कै आ जो कैहके कहल ठामदिसन गेलै, जे ठाम परमेस्वर ओकरा देबौ कैहके परतिग्या करने छेलै। कते जेबै कैहके ओकरा थाहे नै छेलै तैयो उ आपन देस छोइरके गेलै।
“तहैलेल, हे रजा अगरिपास, हम स्वरगिय दरसनके आग्यापालन करलियै।
एक दिन करनेलियस दिनके तिन बजे परमेस्वरके एकटा स्वरगदुतके दरसनमे अस्पस्ट रुपसे देखल्कै। स्वरगदुत आइबके करनेलियसके कहल्कै, “ऐ करनेलियस।”
पतरुस कहल्कै, “हम योप्पा सहरमे परथना करैत ध्यान-मग्न रहियै। तब एकटा बरका तन्ना जखा चारु खुटमे पकैरके स्वरगसे निचा खसैत हम दरसनमे देखलियै आ उ आइबके हमर कातमे ठहरलै।
जब पतरुस सोइच रहल छेलै यि दरसनके अरथ कथी भ्यासकैछै, तहै बखत करनेलियसके पठाएल लोकसब पुछैत-पुछैत सिमोनके देहरीमे ठार भेलै,
दमस्कसमे हननिया नामके एक गोरा येसुके बिस्बासी रहै। ओकरा दरसनमे परभु कहल्कै, “ऐ हननिया।” उ कहल्कै, “हम अतै चियै परभु।”
येसुके माँ नोकरसबके कहल्कै, “येसु जे कहैछौ, तुसब ओहिनङ कर।”
तब स्वरगदुत ओकरा कहल्कै, “आपन डाँर कस आ जुता लगा!” पतरुस ओहिनङ करल्कै। तब स्वरगदुत कहल्कै, “आपन चादर ओढ़ आ हमर पछा चल।”