20 उठ आ निचा जो, घुचपिच नै कैरके ओइसबके सङे लाग, कथिलेत ओइसबके हम्ही पठाइने चियौ।”
बरनाबास आ साउलके पबितर आत्मा पठेलाके कारन उसब एन्टिओखियासे सिकुलिया सहरमे गेलै। ओतेसे उसब समुन्दरके यातरा पार कैरके साइपरस टपुमे गेलै।
तब हननिया गेलै आ ओइ घरमे ढुइकके साउल उपर हाथ राइखके कहल्कै, “भाइ साउल, तोहे आबैतखिना जे परभु येसु तोरा रस्तामे दरसन देने छेलौ, ओह्या हमरा तोहर खातिर तु देखे पाबबिही आ पबितर आत्मासे भरपुर हेब्ही कैहके हमरा पठाइने छै।”
महज परभु ओकरा कहल्कै, “जो, कथिलेकी साउल गैर-यहुदीसब, रजासब आ इजराएलीसबके सामने हमर नामके परचार करैबला उ हमर छानल लोक चियै,
परमेस्वरके एकटा स्वरगदुत फिलिपके कहल्कै, “तु अतेसे दछिन मुहे यरुसलेमसे गाजा दिसन जाइबला रस्तामे जो। यि उजार जगहके रस्ता चियै।”
तब येसु उसबके कहल्कै, “जो आ सरा सन्सारमे ज्याके सरा सिरिस्टीके सब लोकसबके सुसमाचार परचार कर!
तब पतरुस निचा उतरलै आ ओइसबलग ज्याके कहल्कै, “तुसब जै लोकके ताकैचिही उ हम्ही चियौ। तुसब कथिले अते एलचिही?”
कोनो सङका नै कैरके ओकरौरके सङे जाइले हमरा पबितर आत्माके अगुवाइ भेलै। यि छबो गोरा बिस्बासीसब सोहो हमरसङे गेल रहै आ हमरौरके सब गोरा करनेलियसके घरमे ढुक्लियै।
महज माङैत खिना सङका नै कैरके बिस्बासके साथ माङे। सङका करैबला लोक समुन्दरके हिलकोर जखाछै जे हबासे उठैछै आ खसैछै।