9 येसु यि बात कहलाके बाद, उसब देखैत-देखैत उ स्वरगमे उठ्यालगेलै आ बादलमे ओकरासबके नजरसे बिल्या गेलै।
तकरबाद परभु येसु ओइसबसङे बोइल लेलाकेबाद स्वरग दिसन उठ्यालगेलै आ परमेस्वरके देहनाकात बैठलै।
येसु स्वरग जाइसे पहिने आपनेसे छानल परेरितसबके पबितर आत्माके सक्तिसे आग्या देल्कै।
उ दुनु अगमबक्तासब स्वरगसे एकटा एहेन बरका अबाज सुनल्कै, “अते उपर या।” तब ओकरासबके दुस्मनसब देखते देखते उ दुनु बादलमे स्वरग दिसन चैलगेलै।
जब तुसब मानबके बेटाके जतेसे एलछेलै ओतै जाइत देखबिही त तुसब कथी करबही?
तकरबाद मानब पुतरके सक्ती आ महामहिमासङे बादलमे आबैत उसब देख्तौ।
उसब कहियो नै जनिसबसङे देहके समबन्ध राखने छेलै आ आपनेके सुध राखने छेलै। थुमा जते जते जाइछेलै ओकर पछा लागैबला वहेसब छेलै। परमेस्वर आ थुमाके लेल पहिल्का फलके रुपमे लोकसबके बिचसे ओकरासबके मोल तिरके छुटाइने छेलै।
देख, उ बादलमे आइबरहलछै आ हरेक लोक ओकरा देख्तै, उहोसब देख्तै जेसब ओकरा भालासे भोक्ने छेलै। सन्सारके सब जातीके लोक ओकर कारन बिलाप करतै। पक्का ओहिने हेतै। आमेन!
उसब कहल्कै, “ए गालिलके लोक, तुसब कथिले अकास दिसन ताकैत ठडा भेलचिही? येसु त स्वरगमे गेलौ, जैहनङ अखुन स्वरगमे जाइत देखलिही, ओहिनङ ओकरा फेनो आबैत देखबिही।”
तब हमसब जिबित भेल्हासब परभुके अकासमे भेटैले ओइसबके सङे-सङे बादलमे उठ्याल ज्याब आ सबदिन हमसब परभुसङे रहब।
परमेस्वरके परकट करल सत्यके सन्देस अचमके चियै आ अकरा कोइ नै इन्कार करे सक्तै। खिरिस्ट मानब बैनके परगट भेलै आ पबितर आत्मासे धरमी ठहरल गेलै। स्वरगदुतसब ओकरा देखल्कै आ जाती-जातीके बिचमे ओकर बारेमे परचार भेलै। सन्सारमे लोकसब ओकरा बिस्बास करल्कै आ उ महिमाके सङे स्वरगमे उठ्यालगेलै।