5 युहन्ना त पानीसे बप्तिस्मा देल्कै, महज आबके कुछ दिनमे तुसब पबितर आत्मासे बप्तिस्मा हेब्ही।”
“हम पस्चातापके खातिर तोरासबके पानीसे बप्तिस्मा देबौ, महज हमरसे पाछे जे आबैबला छै, उ हमरोसे सक्तिसाली छै, जकर हम जुतो बोकैके जोकर नै चियै। उ तोरासबके पबितर आत्मा आ आइगसे बप्तिस्मा देतौ।
तब युहन्ना ओकरासबके जबाब देल्कै, “हम त तोरासबके पानीसे बप्तिस्मा दैचियौ, महज एक गोरा जे आइबरहल्छौ उ हमरोसे बरका छै, जकर हम जुताके फितो तक खोलैके जोकरके नै चियौ। उ तोरासबके पबितर आत्मा आ आइगसे बप्तिस्मा देतौ।
हमसब चाहे यहुदी हेबे, चाहे गिरिक, चाहे दास हेबे, चाहे स्वतन्तर, सबकोइ एके पबितर आत्मासे बप्तिस्मा पाबनेचियै आ एके देह भेलचियै। तब अपनासबके एके पबितर आत्मा देनेछै।
तब उ अपनासबके बचेल्कै। अपनासब कोनो धरम-करम करलाके कारन नै महज ओकर दया आपनसबमे भेलाके कारन बचेल्कै। ओकर पबितर आत्मासे अपनासबके पाप धुवाके अपनासबके नया जलम आ नया जिबन देल्कै।
हम तोरासबके पानीसे बप्तिस्मा दैचियौ, महज उ तोरासबके पबितर आत्मासे बप्तिस्मा देतौ।”
तकरबाद पावल ओकरौरके बुझ्हाके कहल्कै, “युहन्नाके सिख्याल बप्तिस्मा पापसे पस्चाताव करैबला बप्तिस्मा चियै। उ लोकसबके कहने छेलै ‘हमरसे पाछे आबैबला येसु खिरिस्टमे बिस्बास कर।’”
परमेस्वर आपन पबितर आत्मा गैर-यहुदीके लोकसब उपर भरैत देखके पतरुस सङे एल्हा यहुदी बिस्बासीसब छक्क परलै।
उ के चियै से हम्हु नै चिन्हैछेलियै, महज ओकरा इजराएलीसबके बिचमे परगट हेबे कैहके हम पानीके बप्तिस्मा दैत एलियै।”
आ आपन पाप सुइकार करैत यरदन लदीमे ओकरसे बप्तिस्मा लेबे लाग्लै।
युहन्ना जबाब देल्कै, “हम त पानीसे मातरे बप्तिस्मा दैचियै। महज तोरासबके बिचमे एक गोरा ठार छौ, तकरा तुसब नै चिन्हैचिही।
साँचोके उ के चियै से हम नै चिन्है छेलियै, महज जे हमरा पानीसे बप्तिस्मा दैले पठाइल्कै ओह्या हमरा कहल्कै, जकर उपरमे पबितर आत्मा उतैरके बैठल देखबिही ओह्या पबितर आत्मासे बप्तिस्मा दैबलाहेतौ।