11 उसब कहल्कै, “ए गालिलके लोक, तुसब कथिले अकास दिसन ताकैत ठडा भेलचिही? येसु त स्वरगमे गेलौ, जैहनङ अखुन स्वरगमे जाइत देखलिही, ओहिनङ ओकरा फेनो आबैत देखबिही।”
देख, उ बादलमे आइबरहलछै आ हरेक लोक ओकरा देख्तै, उहोसब देख्तै जेसब ओकरा भालासे भोक्ने छेलै। सन्सारके सब जातीके लोक ओकर कारन बिलाप करतै। पक्का ओहिने हेतै। आमेन!
कथिलेकी परभु जखने हुकुमके अबाज देतै आ परमुख स्वरग दुतके अबाज आ तुरहीके अबाज हेतै तखने खिरिस्टमे बिस्बास कैरके मरलहा लोकसब सबसे पहिने जिबित भ्याके उठतै।
तकरबाद लोकसब मानबके बेटाके सक्ती आ महिमासङे बादलमे आबैत देखतै।
हम ज्याके तोरासबके खातिर ठाम तयार करलाके बाद फेनो एबौ आ तोरासबके आपनलग ल्याजेबौ, तैल्याके हम जते रहैचियै ओतै तुहुसब हमरसङे रहबिही।
येसु कहल्कै, “जहिया मानबके बेटा पुरे स्वरगदुतसङे आपन महिमामे एतै, तहिया उ आपन महिमाके सिंहासनमे बैठतै।
“तकरबाद मानबके बेटा आबैके चेन्हा अकासमे देखा परतै। पिरथिबीके सब जातीसब कना रोहैट करतै आ मानबके बेटाके बादलमे सक्ती आ बरका महिमाके सङे आबैत देखतै।
कथिलेत जब मानबके बेटा आपन पिताके महिमामे स्वरगदुतसबके सङे एतै तब ओइ बखत सब लोकसबके आपन-आपन काज अनुसारके इनाम देतौ।
तुसब त परमेस्वरके बेटा येसु जे स्वरगसे एतै कैहके बाट ताइकरहलचिही, जकरा परमेस्वर मरलसे जियाइल्कै उ येसु चियै। परमेस्वरसे आबैबला करोधसे अपनासबके बचाइबला ओह्या चियै।
तकरबाद मानब पुतरके सक्ती आ महामहिमासङे बादलमे आबैत उसब देख्तौ।
गालिल इलाकासे ओकरसङे यरुसलेममे एल्हासब लग बहौत दिनतक ओकर देखाब दैत रहलै। अखुन्तो उसब इजराएलके लोकसबलग ओकर साक्छी छेबेकरै।
तब उ जनिजाइतसब डरसे आपन-आपन मुरी तरमाथे गोइतलेल्कै, महज उ दुनु लोक ओइसबके कहल्कै, “तोरौरके जिते लोकके कथिले मरल लोकसबके बिचमे ताकैचिही?
यि देखके पतरुस ओइ लोकसबके कहल्कै, “हे इजराएलके लोकसब, यि बातमे अहाँसब कथिले अचम मानैचियै? हमसब आपन सक्तीसे आ भक्तिसे ओकरा चलफिर कराइले सकैबला जखा कथिले ताकैचियै?
उसब आस्चरजमे परलै आ अचम माइनके कहेलाग्लै, “कि यि बोलैबलासब गालिलीसब नै चियै त?
महज पतरुस फेनो इन्कार करल्कै। कुछ देरके बाद ओते ठारभेल लोकसब पतरुसके कहल्कै, “साँचोके तुहु ओइसबमेसे एक गोरे चिही, कथिलेत तु गालिल परदेसके लोक चिही।”
साँचेके, हम तोरासबके कहैचियौ, अते ठार भेलमेसे कतहेक लोकसब जाबेतक मानबके बेटाके आपन राजमे आबैत नै देखतै ताबेतक नै मरतै।”
तकरबाद परभु येसु ओइसबसङे बोइल लेलाकेबाद स्वरग दिसन उठ्यालगेलै आ परमेस्वरके देहनाकात बैठलै।
येसु स्वरग जाइसे पहिने आपनेसे छानल परेरितसबके पबितर आत्माके सक्तिसे आग्या देल्कै।
येसु यि बात कहलाके बाद, उसब देखैत-देखैत उ स्वरगमे उठ्यालगेलै आ बादलमे ओकरासबके नजरसे बिल्या गेलै।
अरथात एहेन लोक जे युहन्नाके बप्तिस्मासे ल्याके येसु स्वरग उठ्याल गेल दिनतक अपनासबसङे छेलै। उ लोक हमरासब सङे-सङे ओकर जि उठैके साक्छी हेबेपरतै।”
परमेस्वर पहिनेसे आपन पबितर अगमबक्तासबके मुहसे बोलल्हा सब चिजके पुनरअस्थापन हैबला बखत नै आबेतक खिरिस्टके स्वरगमे रहेपरतै।
ओहिनङे बहुतो लोकके पाप छमाके लेल खिरिस्ट एकेबेर बली भेलै। उ दोसर बेर एतै त, ओइ बखत पाप छमाके लेल नै एतै, महज ओकरासबके मुक्तीके लेल एतै जेसब ओकर बाट ताकैत असियाल रहतै।