9 हम मन्डलीके चिठीमे यि बातसब लिखने छेलियै। महज तोरासबके बिचमे मन्डलीके अगुवा हैले चाहैबला डियोतिरिफास हमर अधिकार सुइकार नै करैछै।
आ चेलासबके कहल्कै, “जे कोइ हमर नामसे अइ बालकके सुइकार करतै, उ हमरा सुइकारतै, जे हमरा सुइकार करतै, उ हमरा पठाइबलाके सुइकार करतै। कथिलेत जे कोइ सबसे छोट छै, ओहे सबसे बरका हेतै।”
महज उसब चुपचाप रहलै, कथिलेत उसब “अपनासबमेसे बरका के चियै” ओकर बारेमे बातचित करैछेलै।
ओहैसे आपन बिस्बासीसब एहेन लोकसबके मदत करेपरतै, ताकी सतके सिक्छामे सहकरमी भ्यासकी।
एक-दोसरके आपने भाइ-भैया जखा परेम कर। अपनासे बेसी दोसरके आदर कर।
“जे कोइ एहेन यि छोट बच्चाके हमर नाममे सुइकार करतै, उ हमरा सुइकार करतै आ जे कोइ हमरा सुइकार करतै, उ हमरा मातरे नै महज हमरा पठाइबलाके सुइकार करतै।”
कथिलेत जे माङैछै, उ पाबैछै, जे खोजैछै, ओकरा भेटैछै आ जे ढकढकाइछै, तकरा लेल केबार खुलैछै।
मन्डली खिरिस्टके देह चियै आ उ ओकर सिर चियै। लया जिबन दैबला उहे चियै कथिलेत मरलसे जिबित हैबलामेसे उ सबसे जेठ चियै आ उहे सब बातमे अधिकार करैछै।
खिरिस्टके सिक्छासे बाहर जाइबला लोकसङे परमेस्वर नै रहैछै, महज ओकर सिक्छामे चलैबला लोकसङे परमेस्वर पिता आ बेटा दुनु रहैछै।