महज हम आपन जिबनके कोनो मोलके नै मानैचियै। अतबेहेक मातर चाहैचियै कि, परमेस्वर लोकसबके अनुगरह देने छै से सुसमाचार करैले हम अन्ततक दौरबरहा करी आ परभु येसुसे मिलल सेबाके काम पुरा करेसकी।
जखुन युहन्ना आपन काम ओराबे लाग्लै तखुन कहल्कै, ‘तुसब हमरा जे बुइझ रहलचिही, से हम नै चियौ। महज हमरसे पछा एक गोरा आबैछौ, जकर हम जुताके फितो तक खोलैके जोकर नै चियै।’
हमरा ओते जाइले परतै कैहके परमेस्वरके देख्याल अनुसार हम ओते गेलियै। हम ओते रहैबखत मन्डलीके मुल अगुवा मानलसबके एकान्तमे भेटघाट करलियै आ जे सुसमाचार हम गैर-यहुदीसबके सुनाइने छेलियै से बात सहि छै कैहके ओकरासबके परस्ट बत्यादेलियै। नै त हमर करल आ कैररहल काम बेरथ हेतै।