2 परमेस्वरके बचन सुना। बेलोमे कुबेलोमे सुसमाचार सुनाइले नै छोर। पुरा-पुरी धिरजसे लोकसबके सम्झा, चेताबनी दहै आ असल सिक्छासे हिम्मत बरहा।
देख हमर भाइ-भैयासब, कोढिया लोकसबके चेताबनी दहै, हरेस खाल लोकसबके साहस दहै, कमजोर लोकसबके मदत कर आ सबगोरासे सैहके रह कहैके हमसब तोरासबके बिन्ती करैचियौ।
तु बिस्बासीसबके यि सब बात पुरा अधिकारसे सिखाही, हौसला दहै आ हप्का। कोनो लोक तोरा हेला करे तैके मौका नै दहै।
हम नै आबैतक बिस्बासीसबके तु पबितर धरमसास्तर पैढके सुना, साहस दहै आ सिक्छासब देबेमे लागल रह।
जकरा हम परेम करैचियै, तकरा डाटै चियै आ सजाय द्याके सुधारैचियै। साच्चेके पाप करैले छोर आ हमरलग या।
यि कहल बात साँचोके चियै। अहैलेल ओइसबके करासे चेताइनाइ जरुरी छै, ताकि उसब बिस्बासमे बौकार हेबे।
यदी कोनो लोक आपनके खराब कामसे सुध राखैछै त, उ आदरके जोग कामके खातिर एकटा भँड़िया बन्तै। कथिलेत उ आपने सुध राइखके सब असल कामके खातिर मालिकके मनपरैबला हेतै।
बचनके सिक्छा पाबैबला सबकोइ आपन सब असल चिजसब बचन सिखाइबलासङे बाँटचुट करे।
आपन आसामे आनन्द कर, दुख-कस्टमे धिरज कर आ निरन्तर परथना करैतरह।
तु त हमर सिक्छा, हमर चरितर, हमर जिबनके लक्छ, हमर बिस्बास, हमर धिरज, हमर परेम आ हमर सहनसिलता देख्नेचिही।
बेर-बेर पाप करैबला सबके मन्डलीके अगारी दम्सा ताकि देखके दोसरो गोरा डराबे।
परमेस्वर हमरा तोरासबके भलाइके खातिर सेबक बनाइनेछै आ ओकर बचन पुरा-पुरी परचार करैके जिम्मा देनेछै।
सुनाइबला लोकके नै पठाइतै उ कनङके परचार करतै? जनङ पबितर धरमसास्तरमे लिखल छै कि, “सुसमाचार परचार करैबलाके टाङ कतहेक सुन्दर!”
जब हमसब हप्ताके पहिन्का दिनमे परभु-भोज खाइले जम्मा भेलियै। तब पावल बिहान सबेरे जाइके इक्छा करलाके कारन, उसबसङे बात-चित करैत-करैत अधा रात बित्लै।
लदीके कातमे यहुदीसबके परथना करैबला ठाम हेतै से समैझके हमसब पबितर बिसरामके दिन ओते गेलियै तब ओते जम्मा भेल्हा जनिसबसङे बात-चित करे लागलियै।
येसु ओकरा कहल्कै, “मुरदासबके आपनेसे मुरदा गारैले दहै, महज तोहे ज्याके परमेस्वरके राजके बारेमे परचार कर।”
उसब येसु लग आइबके बिन्ती करैत कहल्कै, “कप्तान साँचोके अहाँके किरपा पाबैके योग्यके चियै,
परमेस्वरके अगमबानीके तुच्छ नै ठान।
उ धैनके छै जे हमर उपर सङका नै करैछै।”
उ आपन बिरोधीसबके लरम भ्याके सुधारैबला हैकेचाही। भ्यासकैछै परमेस्वर बिरोधीसबके मन बदैल देतै आ उसब सतके चिन्हे सक्तै।
हे हमर पिरिय भाइ-भैयासब, हम तोरासबके बिन्ती करैचियौ कि, हमर अरती देल बातके मान, कथिलेकी हम तोरासबके यि चिठी छोटमे लिखने चियै।
जब हमसब रोममे ढुकलियै, तब पावलके एक गोरा सिपाहीके रेखदेखमे असगरे रहैके अनुमति भेटलै।
सलामिस सहरमे पुग्लाके बाद उसब ओते यहुदीसबके सभाघरमे परमेस्वरके बचन सुनाबे लाग्लै। यि काममे सहयोग करैले मरकुस कहाइबला युहन्ना ओकरौरके सङे रहै।
खिरिस्टके रहसके बात लोकसबके परचार करैले परमेस्वर केबार उघाइरदेबे कैहके हमरासबके लेल सेहो परथना कर। अहै रहसके परचार करैके कारनसे हम जहलमे परल चियै।
तुसब हमरासबके आ परभुके देखासेखी करलिही, कथिलेकी सताबटमे सेहो तुसब पबितर आत्मासे देल सुसमाचार खुसिसे गरहन करलिही।