17 तैयो परभु हमरसङे रैहके हमरा सक्ती देल्कै। तहैले हम गैर-यहुदी लोकसबके परमेस्वरके सुसमाचार निकसे सुनाबे सकलियै। अहिनङे परभु हमरा सिंहके मुहसे बचेल्कै।
होसियार रह आ जागल रह, कथिलेकी तोरासबके दुस्मन सैतान ककरा भेटाइबै आ ख्यालेबै कैहके गरजैबला सिंह जखा खोजैत घुमैछै।
महज परभु ओकरा कहल्कै, “जो, कथिलेकी साउल गैर-यहुदीसब, रजासब आ इजराएलीसबके सामने हमर नामके परचार करैबला उ हमर छानल लोक चियै,
उसब त बिस्बास दुवारा राजसबके जितल्कै, नियायके साथ राज करल्कै, परमेस्वरके परतिग्या करल चिजसब पाबल्कै आ सिंहसबके मुह बन्द कैरदेल्कै।
ओहै रात परभु पावलके लगमे खरा भ्याके कहल्कै, “पावल, साहस कर! कथिलेत जहिना यरुसलेममे हमर बारेमे गबाही देने छेल्ही तहिना तोरा रोममे सेहो गबाही दैले परतौ।”
ओहिनङ परभु धरमी लोकसबके संकटसे बचाबैले आ अधरमी लोकसबके दन्ड दैले नियायके दिन तलिक राखैले जानैछै।
महज जब तोरासबके पकरतौ, तब कनङके आ कथी बोल्बै तैके चिन्ता नै कर। कथिलेत तोरासबके कथी बोले परतौ से ओहै बखत तोरासबके देल जेतौ,
हम एन्टिओखिया, आइकोनियन आ लुस्तरा सहरमे केहन-केहन दुख भोगे परलै, से बात तु निक जखा जानैचिही। महज परभु हमरा ओइ सब आफत-बिपतसबसे बचेल्कै।
हमर काममे हमरा बल दैबला अपनासबके परभु येसु खिरिस्टके हम धन्यबाद दैचियै, कथिलेकी हमरमे बिस्बास कैरके उ हमरा आपन सेबाके काममे छानल्कै।
खिरिस्टके पबितर जनसबमेसे हम सबसे तुच्छ चियै तैयो खिरिस्टके महान सम्पतीके सुसमाचार गैर-यहुदीसबके सुनाइबला बरदान परमेस्वर हमरा देल्कै।
महज परभु हमरा कहल्कै, “हमर अनुगरह तोहर लेल परसस्त छौ, कथिलेत हमर सक्ती कमजोरीमे पुरा हैछै।” तैखातिर खिरिस्टके सक्ति हमरमे रहे कैहके कमजोरीमे हम औरो खुसीसे घमन्ड करैचियै।
कथिलेत हम तोरासबके एहेन सब्द आ बुधि देबौ, कि तोहर बिरोधीसब तोरासबके बात सुइनके एकोटाके जबाब दैले नै सक्तौ, ओकरौरके मुहमे तला लाइग जेतौ।
हमरासबके बिचमे पुरा भेल घटनासबके बिबरन लैबला बहुत लोकसब आपन हाथमे लेने छै।
हम यहुदिया परदेसमे भेल परमेस्वरमे बिस्बास नै करल लोकसबसे बचैले सकि आ जे रुपैया-पैसा पुगाबैले हम यरुसलेम ज्यारहल चियै तकरा ओइ ठाममे परमेस्वरके पबितर जनसब खुसीसे सुइकार करैले सके कैहके परथना कैरदिहे।
हमर दुलरुवा बेटा तिमोथी, येसु खिरिस्टके अनुगरहसे बलगर हैत जो।
ओह्या सुसमाचार जकर खातिर हम दुख काटैचियै आ अपराधी जखा झिझिरसे बान्हल चियै। महज परमेस्वरके बचनके बान्हे नै सक्तै।
महज तु हर परिस्थितीमे सचेत रह, दुख उठा, सुसमाचार सुनाइबला काममे लागल रह आ आपन सेबाके काम-काज पुरा कर।
ठिक समयमे उ आपन बचन परगट करल्कै। जे बचन सुनाबैले अपनासबके मुक्तीदैबला परमेस्वरके आग्यासे हमरा जिम्मा देने छै।