5 उसब भक्ती करैबला रुप धारन त करैछै महज भक्तीके भितरी सक्तीके सुइकार नै करैछै। एहेन लोकसबसे दुरे रह।
उसब परमेस्वरके जानैछै कैहके दाबी करैछै महज ओइसबके बेबहारसे उसब परमेस्वरके इन्कार करैछै से बात देखाइछै। उसब घिनलागैबला आ अटेरी हैछै आ कोनो असल काम करे लाएकके नै छै।
यदी कोइ आपन नातेदार आ खास कैरके परिबारके देख-भाल नै करैछै, उसब बिस्बाससे पछा हटल लोक चियै आ अबिस्बासीयोसे बेसी खराब हैछै।
“झुठा अगमबक्तासबसे होसियार रह, जे तोरासबके बिचमे भेंराके भेसमे आबैछौ, महज भितरसे उसब भुख्याल नरहिया जखा हैछै।
मन्डलीमे फुट आनैबलाके एक दुइ बेर चेता, यदी उ नै मानैछौ त ओकरसङे कोनो समबन्ध नै राख।
महज तु परमेस्वरके अपमान करैबला आ काम नै काजके बातसे दुर रह, कथिलेत एहेन बात लोकसबके परमेस्वरसे दुर ल्याजाइछै।
महज मुरुख आ बेकारके तरक-बितरकसे दुरे रह, कथिलेत तोरा थाह छौ कि, एहेन बातसे लराइ-झगरा उतपन हैछै।
एहेन लोकसबके बिचमे सबदिन झगरा हैछै। ओइसबके मति भरस्ट भेल रहैछै। उसब सत बातसबसे दुर भेल रहैछै आ परमेस्वरके भक्ति करैबला काम धनिक हैकेलेल चियै कैहके बिचार करैछै।
तब अपनासब चलाक लोकसबके झुठा सिक्छाके हबासे जने ल्याजेतौ तने जाइबला छोट धिया-पुता जखा नै हो। ओइसबके बन्याल जाल झेलसे दोसरके बहकाइछै।
भाइसब, अपनासबके परभु येसु खिरिस्टके नाउमे हमसब तोरासबके यि आग्या करैचियौ कि, जे बिस्बासी लोकसब हमरासबके देल सिक्छा अनुसार नै चलैछै आ कोढिया छै ओकरासबके सङहतसे दुरे रह।
तोरासबमेसे कोइगोरा हमसब यि चिठीमे लिखल आग्या नै मानैछौ त ओकरा डिठीयाइने रह। ओकरसङे सङहत नै राख ताकि उ लाजमे परे।
तु इस्वरहिन आ अरथहिन खिसा-पिहानी सबसे दुर रह। बरु परमेस्वरके पसिन परैबला जिबन जियैके कोसिस कर।
देहके कसरत करनाइ असल चियै, महज आत्मिक कसरत करनाइ औरो असल चियै, कथिलेकी अखुन आ आबैयोबला जिबनमे फैदाके लेल परतिग्या करने छै।