4 सैनिक सेबामे भरती भेल लोक औरो धन्धा नै करैछै, कथिलेत ओइसबके उदेस्य आपन सेनापतीके खुस करनाइ रहैछै।
महज परमेस्वर हमरासबके ओकर योग्य भेलाके कारन सुसमाचार परचार करैके जिम्मा देने छै। अहैलेल हमसब लोकसबके खुसी करैके लेल नै, महज मन जाचैबला परमेस्वरके खुसी करैके लेल हमसब सुसमाचार सुनाइचियै।
काँटसबके बिचमे परेबला उसब चियै, जे कोइ सुनैछै महज पाछे जिबनके चिन्ता, धन, सुख-चैन के खातिर नै बरहे सकैछै।
महज उसब अपनासबके परभु आ मुक्तीदाता येसु खिरिस्टके चिन्हके सन्सारके घिनलागैबला बातसबसे छुटकरा पाबलाके बाद फेनसे पापमे परैछै त ओकरासबके दसा पहिनेसे औरो बेसी खराब हैछै।
कथिलेत डेमास सन्सारके मोहमे फैसके हमरा छोइरदेल्कै आ थेसलोनिकेमे चैलगेलै। केरसेन्स गलातियामे आ तितस दलमातियामे गेलछै।
ओहैसे हमसब चाहे देहमे या चाहे देहसे अलग रैहके, ओकरा खुसी बनाबैके हमरासबके लक्छ चियै।
खिरिस्ट अपनासबके स्वतन्तर करने छै। तहैलेल बौकार भ्याके खरा हो आ फेनसे बेबस्थाके दास हैले नै परे।