7 कथिलेत परमेस्वर अपनासबके डरके आत्मा नै महज, सक्ती, परेम आ आपनके बसमे राखैबला आत्मा देनेछै।
कथिलेत तुसब फेनसे दास बनैले डरके आत्मा नै पाबनेचिही बरु तुसब पोसपुत हैले पबितर आत्मा पाबनेचिही, तैल्याके हमसब परमेस्वरके “हे हमर अब्बा, पिता!” कैहके पुकारैचिही।
परेममे डर नै हैछै महज सिध परेम डरके दुर कैरदैछै। कथिलेकी डरके सङहत त दन्डके जरे हैछै आ जे डराइछै उ परेममे सिध नै रहैछै।
महज पबितर आत्माके फलसब- परेम, आनन्द, सान्ती, धिरज, दया, भलाइ, बिस्वस्तता,
“हम सान्ती तोरासबके छोइरदैचियौ, हम आपन सान्ती तोरासबके दैचियौ। सन्सारके देल जखा हम तोरासबके नै देबौ। तोरासबके मन बेचैन नै हेबे आ तुसब नै डरा।
हम तोरासबके साँप आ कोकर बिछीसबके उपर खालि लातसे मिसरैके अधिकार देने चियै, सतरुके सब सक्तिके उपर अधिकार देनेचियौ। आब कोनो चिज तोरासबके हानी नै करतौ।
महज पबितर आत्मा तोरासबके उपर एतौ तब तुसब सक्ती पाबबिही आ यरुसलेममे, सरा यहुदिया इलाकामे, सामरिया इलाकामे आ पिरथिबीके अन्ततक हमर साक्छी हेब्ही।”
अहै आसाके कारन हमसब निरास नै हेबै कथिलेत परमेस्वर अपनासबके पबितर आत्मा देने छै आ पबितर आत्मासे परमेस्वर अपनासबके हिरदयमे आपन परेम भरनेछै।
तब मिरतुके डरसे जिबनभैर बन्धनमे परलहासबके उ छुटकरा देल्कै।
महज हम आपन जिबनके कोनो मोलके नै मानैचियै। अतबेहेक मातर चाहैचियै कि, परमेस्वर लोकसबके अनुगरह देने छै से सुसमाचार करैले हम अन्ततक दौरबरहा करी आ परभु येसुसे मिलल सेबाके काम पुरा करेसकी।
हमर सिक्छा आ परचार घत लागैबला बुइधके बरका-बरका बातसब नै बाजलियै, महज पबितर आत्माके सक्तीके सबुत द्याके हम परचार करलियै,
हमर पिताके परतिग्या हम तोरौरके लग पठाइबौ। महज परमेस्वरके सक्ती नै पाबैतक अहै सहरमे असियाले रहिये।”
कनङ परमेस्वर नासरतके येसुके पबितर आत्मा आ सक्ती बिसेस रुपमे ओकरा देल्कै। उ कनङ भलाइके काम करैत गेलै, दियाबलसके सताबटमे परलहासबके निक करैत गेलै, कथिलेकी परमेस्वर ओकरसङे छेलै।
आब तुसब सतके माइनके आपन मन सुध कैरलेने चिही तहैलेल एक दोसर कोनो छलकपट नै कैरके भाइ-भैया आ दिदी-बहिन जखा परेम कर। हिरदयसे एक दोसरके परेम कर।
महज पावल कहल्कै, “तुसब कथिले काइनके हमर मनके तोरैचिही? हम त यरुसलेममे बन्हाइले मातर नै, महज हम त परभुके लेल मरैयोले तैयार चियै।”
पबितर आत्मा तोरासबके देल परेमके बारेमे इपाफरास हमरासबके सुनाइने छै।
स्तिफनस परमेस्वरके किरपा आ सक्तीसे भरपुर भ्याके लोकसबके बिचमे बरका-बरका अचमके काम आ चेन्हासब देखेल्कै।
महज साउलके परचार सक्तिसाली हैतगेलै आ येसुवे खिरिस्ट चियै से परमान द्याके दमस्कसमे रहैबला यहुदीसबके मुह बन्द कैरदेल्कै।
कथी भेलछै से देखैले लोकसब येसु लग एलै। जे लोकसे भुतसब निकलल छेलै। ओकरा जमा-जोरा लग्याके येसु लग बैठल देखल्कै। यि देखके लोकसब छक्के परलै।
पावल कहल्कै, “हे परतापी फेस्तस, हम पागल नै चियै, महज हम जे कहैचियै उ एकदम सत आ जाइज छै।
“जब ओकर मन फिरलै, तब उ मनेमन अपने आपके कहल्कै, ‘हमर बाबुके घरमे त बहौतरा नोकर-चाकरसब भोइर पेट ख्याके उबारबो करैछै, महज हम अते भुखसे मरैचियै।
बेर-बेर सभाघरसबमे ज्याके ओकरासबके दन्ड द्याके उसब परभु नै माने कैहके कोसिसो करलियै। हम तामससे चुर भ्यागेलियै आ ओकरासबके आनो देसके सहरसबमे ज्याके सताबैले लागलियै।