3 हम तोरा आपन परथनामे याद करैचियौ आ हम हरदम परमेस्वरके धन्यबाद दैचियै। जनङ हमर पुरखासब परमेस्वरके सेबा-टहल करने छेलै, तैहनङ हम्हु सुध बिबेकसे करैचियै।
येसु खिरिस्ट काइल, आजु आ सबदिन एकसमान रहैछै।
तब पावल महासभा दिसन एकटक लग्याके ताकल्कै आ कहल्कै, “हौ भैयारीसब, हम आपन सुध मनसे परमेस्वरके नजरमे आइके दिनतक निरदोस जिबन बिताइने चियै।”
हँ, हम सुइकार करैचियौ कि, परभुके रस्तामे हम चलैचियै, जकरा उसब झुठा पन्थ कहैछै। हम आपन पुरखासबके परमेस्वरके आराधना करैचियै आ मोसाके देल बेबस्था आ अगमबक्ताके किताबमे लिखल बमौजी सब बातमे बिस्बास करैचियै।
तै बखत तु बिस्बासमे असथिर रह आ असल बिबेक बच्याके राख। कोइ-कोइ बिबेक अनुसार नै चलैके कारन आपन बिस्बासके नास कैनेछै।
हमर कहैके उदेस्य त यि चियै कि बिस्बासीसब एक दोसरके परेम करे, जे परेम सुध हिरदय, असल बिबेक आ साँचोके बिस्बाससे मातरे आबैछै।
तै खातिर परमेस्वर आ लोकसबके नजरमे हम निरदोस रहैले चाहैचियै।
तब पावल कहल्कै, “हम किलिकियाके टारसस सहरमे जलमल यहुदी चियै, महज हमर अहै यहुदी सहरमे गुरु जी गमलिएलके चरनमे सिक्छा-दिक्छा भेलै। हमसब पिते-पुरखासे मानैत ऐल धरमसास्तरके सिक्छा हम असलसे सिख्ने चियै। आइ अहाँसब परमेस्वरिय सेबा परति जतहेक उत्साह देखेने चियै, हम्हु ओतबेहेक उत्साह देखेने रहियै।
तु छोटेसे पबितर धरमसास्तरमे लिखल बचनसे परिचीत चिही। ओहै बातसबसे खिरिस्ट येसुमे बिस्बास कैरके मुक्ती पाबैले ग्यान दैछौ।
हम तोहरमे भेल निसकपट बिस्बासके याद करैचियौ। जे बिस्बास तोहर नानी लोइस आ तोहर माँ युनिसमे छेलौ। हमरा पुरा बिस्बास छै, जे उ बिस्बास तोरोमे छौ।
तोरासबसे फेनु आमने-सामने भेटके औरो सिखाबेसकी ताकि तोरासबमे जे-जे बातके कमि छौ उ बात पुरा हेबे से उदेस्यसे हमसब रातदिन जोरदारसे परथना करैचियै।
हम परमेस्वरके हरदम धन्यबाद चरहाइचियै। हमर परथनामे तोरासबके सम्झैत रहैचियौ।
हम आपन जातीमे आ आपन तुरियामे ओइसबसे अगा भ्याके यहुदी धरमके पालन करैछेलियै आ हमर पिता-पुरखाके परमपरासबमे एकदम जोसगर छेलियै।
अइ बातमे हमसब गर्भ करैचियै आ हमरासबके बिबेक सेहो साक्छी दैछै कि, अइ सन्सारमे बिसेस कैरके ओइसबसङे समबन्धमे हमसब इमान्दार आ परमेस्वरमे पबितर जिबन बितेलियै। यि हमसब सन्सारके ग्यानसे नै महज परमेस्वरके अनुगरहसे पाबनेचियै।
हमर कहल बात सत छै, झुठ नै, कथिलेत हम खिरिस्टके लोक चियै। पबितर आत्माके अधिनमे रहल हमर बिबेक हम झुठ नै बोलैचियै कैहके साक्छी दैछै।
आइएके रातमे, हम जै परमेस्वरके चियै आ जेकर हम सेबा करैचियै ओकर स्वरगदुत हमरलग खरा भ्याके कहल्कै कि,
“हम आपन जातीके बिच आपन देसमे आ यरुसलेममे आपन बचपन कनङके बितेलियै से बात यहुदीसब निकसे जानैछै।
तब बिधुवे रैहके चौरासी बरिस बिताइने रहै। उ परमेस्वरके मन्दिरेमे उपास आ परथना कैरके रातदिन भक्तीसाथ परमेस्वरके सेबा करैतरहै।
जै मसोमातनीके देखभाल करैबला कोइ नै छै, से मसोमातनी त आपन भरोसा परमेस्वरमे राखने रहैछै। उ दिन रात परमेस्वरमे बिन्तीभाव करैत रहैछै।