2 परमेस्वर हमरासबके खराब आ दुस्ट लोकसबसे बचाबे कैहके परथना कैरदे, कथिलेकी सब लोकसब परमेस्वरके बचनमे बिस्बास नै करैछै।
हम यहुदिया परदेसमे भेल परमेस्वरमे बिस्बास नै करल लोकसबसे बचैले सकि आ जे रुपैया-पैसा पुगाबैले हम यरुसलेम ज्यारहल चियै तकरा ओइ ठाममे परमेस्वरके पबितर जनसब खुसीसे सुइकार करैले सके कैहके परथना कैरदिहे।
महज सुनैबला लोकसब सुसमाचारके सुइकार नै करल्कै, कथिलेत यसैया अगमबक्ता कहैछै, “हे परभु, हमरासबके परचार करल सुसमाचारमे के बिस्बास करने छै से?”
कतहेक गोरा बुइझके बिस्बास करल्कै त, कतहेक गोरा नै करल्कै।
हमसब तोरासबलग जाइले चाहैत रहियै। हम पावल त औरो घरि घरि आबैले कोसिस करलियै, महज सैतान हमरासबके बाधा देल्कै।
महज बिस्बास नै करैबला यहुदीसब गैर-यहुदीसबके उस्काके परभुमे बिस्बास करैबला लोकसबके बिरोध करैले लगाइल्कै।
महज यहुदीसब परमेस्वरके भक्ति करैबला जनिसब आ सहरके नेतासबके समेत पावल आ बरनाबासके बिरोधमे चरह्या-बरह्याके ओइसबके ओइ इलाकासे भगा देल्कै।
लोकसबके भिर देखके यहुदीसब एकदमसे डाह करे लाग्लै। पावल जे बाजैछेलै तै बातके उसब अपमान करैत ओकर बिरोध करे लाग्लै।
हम तोरासबके कहैचियौ, परमेस्वर आपन लोकसबके जल्दीए अनियाइसे बचाइतौ। जब मानबके बेटा पिरथिबीमे एतै त ओकरा बिस्बास करैबला भेटतै?”
“महज तु धरमगुरुसब आ फरिसीसबके धिक्कार! तुसब कपटी चिही! कथिलेत तुसब पुदिना, सोप आ जिराके दसांस त चरहाइचिही, महज बेबस्थामे रहल गहनगर बातसब नियाय, दया आ बिस्बास योग्य जखा बहौत असल बातसबके कुछो मतलब नै राखैचिही। महज करैके एहो छेलौ कि तुसब बेबस्थामे रहल बातसबके माने परतियौ।
तब येसु जबाफ देल्कै, “ऐ बिस्बास नै करैबला आ दुस्ट पुस्ता, हम कहियातक तोरासबके सङे रहबौ? कहियातक तोरासबके कमजोर बिस्बासके सहैत रहबौ? ओकरा अते हमरलग आन।”
तैयो परभु हमरसङे रैहके हमरा सक्ती देल्कै। तहैले हम गैर-यहुदी लोकसबके परमेस्वरके सुसमाचार निकसे सुनाबे सकलियै। अहिनङे परभु हमरा सिंहके मुहसे बचेल्कै।
लोकसबके हिसाबसे कहैचियौ त, एफिसस सहरमे हम जङली जानबरसब जखा लोकसबसङे लराइ कैरके हमरा कि फैदा भेलै? यदि मरल लोक जीके नै उठैछै त “खो आ पि, कथिलेत हमसब त काइल मैर जेबै।”
महज औरो यहुदीसब ओइसबके डाह करै आ बजारके गुन्डा बदमाससबके बोल्याके बजारमे हो-हल्ला करैले लगाइल्कै। तकरबाद यासोनके घरमे हमला कैरके पावल आ सिलासके लोकसबके भिरके अगामे आनैले चाहल्कै।
कथिलेत कोनो दोसे बिना ओकरा पठाइले हमरा निक नै लाग्तै।”