12 हमसब एहेन लोकसबके परभु येसु खिरिस्टके नाममे आग्या आ अरती दैचियै कि उसब चुपचाप काम करे आ आपन कमाइ खाए।
हमसब तोरासबके कहने छेलियौ तहै बमौजी सान्तीमे जिबन बिताबैके लक्छ राख, आपन आपन काममे लागल रह आ आपने हाथसे कमाइले बेसी से बेसी कोसिस कर।
जे चोराबैछै आबसे उ चोरी नै करे। बरु मेहनत कैरके आपने हाथसे कमाबे आ अभाबमे परलहासबके मदत करैले सके।
हमसब बिना टकाके ककरो खाइबला चिज नै खेलियै। बल्की दिन-रात दुख सहैत आ पसेना चुबाइत मेहनत करलियै ताकि तोरासबमेसे ककरो उपर भार नै परे।
अन्तमे हमर भाइ-भैयासब परमेस्वरके मनपरैबला जिबन कनङके जियैछै से हमसब तोरासबके सिखेलियौ ओहिनङके फेनु तुसब जियैचिही। तोरासबके जिबन औरो बहौत असल हेबे कैहके परभु येसुके नाममे हमसब तोरासबके बिन्ती करैचियौ।
हमरासबके दिन-दिनके खाना सबदिन दिय,
रजा आ हाकिमसबके लेल परथना कर ताकि हमसब सुख सान्तीसे परमेस्वरके भक्ति करे आ आदरके जिबन बिताबे सकी।