3 महज तोरासबके कोइयो नै कोनो परकारसे धोखा देबे। कथिलेत परमेस्वरके बिरोधमे बहौत बरका बिरोध नै हेबे तलिक आ नास हैबला बेबस्था भङ करैबला लोक नै आबैतलिक परभुके दिन नै एतै।
हमर पिरिय धियापुतासब, यि अन्तिम घरी चियै। खिरिस्ट बिरोधी आबैबला छै से तुसब सुन्नेचिही। खिरिस्टके बहौत बिरोधीसब त आइबगेल छै। तहैसे अपनासब यि अन्तिम घरी चियै से बात जानैचियै।
जब हम सन्सारमे ओइसबसङे छेलियै, तब हम ओइसबके अहाँके आपन नामके सक्तिसे रक्छा करलियै, जे नाम अहाँ हमरा देनेछेलियै। हम ओइसबके बचेलियै आ ओइसबमेसे नास हैबलाके छोइरके औरो कोइ नास नै भेलै, महज पबितर धरमसास्तरमे लिखल बचन पुरा हेबे कैहके यि भेलै।
कि अधरमी लोकसब परमेस्वरके राजमे ढुकैले नै सक्तै कैहके तोरासबके थाह नै छौ? अइ बातके गम्भिर रुपसे ले आ तुसब आपनेके धोखा नै दहै, कथिलेत अनैतिक काम करैबला, मुरतिपुजा करैबला, बेबिचार करैबला, समलिङगिसब, पुरुखगामीसब,