12 अहिनङे जे कोइ सतमे बिस्बास नै करल्कै आ अधरम मे मग्न रहतै उसब दोसी ठहरालजेतै आ सजायके भागिदार हेतै।
एहेन लोक मिरतुके योग्यके हैछै कैहके परमेस्वरके धारमिक नियम जानियोके उसब यि कामसब करैछै। ओतबे नै, वोहन काम करैबलासबके औरो उस्काबैछै।
बिस्बास करैबला आ बप्तिस्मा लैबलासब उदार पाबतै। महज बिस्बास नै करैबलासब दोसी ठहरतै।
महज आपनेके मातरे परेम करैबला, सत बातके पालन नै करैबला आ खराब बातमे लागल रहैबला लोकसबमे परमेस्वरके करोध आ दन्ड परतै।
कथिलेकी परमेस्वर अपनासबके दन्ड दैकेलेल नै महज परभु येसु खिरिस्टसे मुक्ती पाबैके लेल चुन्ने छै।
तोरासबके परेम देखाबटी नै महज सत हेबे। खराब काम छोइरके असल काममे लागल रह।
जे कोइ परमेस्वरके बेटामे बिस्बास करैछै, ओकरसङे अनन्त जिबन छै। जे कोइ परमेस्वरके बेटाके नै मानैछै, से कोइ अनन्त जिबन नै पाबतै महज ओकर उपर परमेस्वरके करोध परतै।
यहुदाके बात सुइनके मुलपुजारीसब बहौत खुसी भेलै आ पैसा दैले कबुल करल्कै। तखनिएसे येसुके पकराइले मौका ताके लाग्लै।
पिरिय सङि, तु खराब कामके देखासेखी नै कर, बरु असल कामके देखासेखी कर। जे असल काम करैछै, उ परमेस्वरके बेटा-बेटी चियै आ जे अधलाह काम करैछै, उ परमेस्वरके नै चिन्हने रहैछै।
उसब लोभमे पैरके झुठा बातसब बनाइतौ आ तोरासबसे फैदा उठेतौ। ओइसबके दन्डके आदेस पहिने भ्यागेल छै आ ओइसबके नास पक्के हेतै।
परेम खराबीमे खुसी नै हैछै, महज सत बातमे खुसी हैछै।
नास हैबलासबके उ दुस्टतासे छकाइतै, कथिलेत उसब मुक्तीदैबला सतके नै मन पराइल्कै।