12 तुसब परमेस्वरके नियाय करैबला दिनके बाट ताकैचिही, उ दिन झटसे आबे कैहके करैबला काम कर। उ दिन सारा अकास आइगसे भस्म हेतै आ ओते भेल सबचिज आइगके धाहसे गैलजेतै।
महज परभुके नियाय करैबला दिन चोर एल जखा अनचेकेमे एतै। ओइ दिन सब अकास-मन्डल बरका अबाज कैरके बिलाजेतै, सुरुज, चान आ तरासब जैरके भस्म हेतै। पिरथिबी आ ओइमे भेल सब चिज नास हेतै।
महज ओह्या बचनसे नियाय हैबला दिनतकके लेल अकास आ पिरथिबीके आइगसे नास करैके लेल बचाके राखनेछै। अकरा वहे दिनके लेल राखनेछै जहिया अधरमी लोकसबके नियाय हेतै आ ओकरासबके नास करलजेतै।
अकर सङे-सङे, अपनासब आसा करल बात पुरा हैबला दिनके रस्ता ताकैचियै, उ दिन अपनासबके महान परमेस्वर आ मुक्ती दैबला येसु खिरिस्ट आपन महिमामे परकट हेतै।
आपनके परमेस्वरके परेममे राख आ अनन्त जिबनके लेल अपनासबके परभु येसु खिरिस्टके किरपाके परतिक्छा कर।
हमरा पुरा बिस्बास छै कि, परमेस्वर तोरासबमे एकटा असल काम सुरु करल्कौ, वह्या येसु खिरिस्ट आबैबला दिनमे उ काम पुरा करतै।
कथिलेत जब मानबके बेटा आपन पिताके महिमामे स्वरगदुतसबके सङे एतै तब ओइ बखत सब लोकसबके आपन-आपन काज अनुसारके इनाम देतौ।
साँचेके, हम तोरासबके कहैचियौ, अते ठार भेलमेसे कतहेक लोकसब जाबेतक मानबके बेटाके आपन राजमे आबैत नै देखतै ताबेतक नै मरतै।”
“परभु फेनसे एतै कैहके करल परतिग्या कि भेलौ? अपनासबके पिता-पुरखा मैरके चैलगेलै महज सन्सारके सब बात ओहिनङे छै, जनङ सिरिस्टीके सुरुमे छेलै।”
यि सब चिज अनङ नास हेबे लागलछै त, तुसब केहेन लोक हैकेचाही? तोरासबके जिबन पबितर आ परमेस्वरमे समरपित हेबे परतौ।