21 कथिलेकी ओकरासबके देल पबितर आग्या जाइनके पछा हटैसे बरु उसब धारमिक बाट नै जानतियै त निक हेतियै।
कोइ असल करे परैछै कैहके बुझने रहैछै महज बुझियोके नै करैछै त, उ पाप करैछै।
“आपन मालिकके इक्छा जाइनके तयार नै रहै आ करैबला काम नै करैछै तेहन मुखियाके मालिक सजायके भागिदार बनेतै।
“यदी हम आइबके नै कहने रहतियै त पापके दोसी नै हेतियै, महज आब आपन पापके लेल बहाना करैबला कोनो ठाम नै छै।
कथिलेकी हमसब परभु येसुसे पाबलाहा अधिरकारसे तोरासबके देल निरदेसन तुसब जान्बे करैचिही।
येसु ओइसबके कहल्कै, “यदी तुसब अन्हर रहतिही त पापके दोसी नै हेत्ही, तुसब त ‘हमसब देखैचियै’ कहैचिही, अहैसे तुसब दोसी रहलिही।”
कथिलेत युहन्ना धारमिकताके रस्ता देखाबैत तोरासबलग एलौ, महज तुसब ओकरा बिस्बास नै करलिही। बरु बटी उठाइबलासब आ बेस्यासब ओकर उपर बिस्बास करल्कै। यि सब देखियोके तुसब आपन पाप सुइकार नै करलिही आ ओकरमे बिस्बास नै करलिही।”
बेबस्था अपनेमे पबितर छै। ओहैसे ओकर आग्यासब पबितर, नियाय सङहत आ असल छै।
एक-दोसरके भार उठा। अहिनङ कैरके तुसब खिरिस्टके आग्या पुरा करबिही।
आपनसबके परभु येसु खिरिस्ट नै आबैतक सुध मनसे ओकर आग्यापालन कर ताकि तोरा कोइयो नै दोस लगाबे।
यदि सतके ग्यान पाबियोके हमसब जाइन बुइझके पाप कैरते रहबै त, अपनासबके करल पापके लेल आब कोनो बलिदान बाकी नै छै।
पहिनेके पबितर अगमबक्तासबके बोलल अगमबानी आ तोरासबके परेरितसबसे अपनासबके परभु आ मुक्ती दैबला परभुके देल आग्या तोरासबके सम्झैले परतौ।
हे पिरिय भाइ-भैयासब, तोरासबके आ अपनासबके भेटल मुक्तीके बारेमे हमरा लिखैले बहौत बरका इक्छा छेलै, महज आब पबितर जनसबके सबदिनके लेल सोपल बिस्बासके रक्छा कर कैहके निबेदन करैले तोरासबके लिखैले हम आबसेक बुझलियै।