14 कथिलेत हम जानैचियै, अपनासबके परभु येसु खिरिस्ट हमरा साफ-साफ देखादेनेछै कि यि माइटके देह जल्दिए छोइरके जाइले परतै।
कथिलेत हम बलिके रुपमे अरपन हैले लागल चियौ। हमर जाइबला समय आइबगेलौ।
आब देख, हम जानैचियै कि, अहाँसब मेसे जकर-जकर बिचमे परमेस्वरके राजके बारेमे परचार करैत घुमलियै, आब फेनो तुसब हमर मुह कहियो नै देखबिही।
तब सिमोन पतरुस येसुके कहल्कै, “हे परभु, अहाँ कते ज्यारहल चियै?” येसु ओकरा कहल्कै, “हम जते ज्यारहल चियै, अखुन तु हमरसङे आबैले नै सकबिही, महज तु पाछे हमरा पछुवाइबिही।”
हमरासबके थाहछै कि हमसबके यि बास करल नासबान देह पाल जखा चियै, जे एक दिन नास हेतै तैयो परमेस्वरके देल देह स्वरगमे अनन्ततक रहैबला घर जखा हेतै, जे लोकके हाथसे नै बनलछै।
जाबेतक हम जिबित रहबौ, ताबेतक यि बात तोरासबके याद कराइत होसियार करेनाइ हमरा ठिक लागैछै।