5 ओहैसे तोरासबके परतिग्या करल भेटीके बन्दोबस कैरके राखैके लेल हम जाइसे पहिने यि भाइसबके तोरासबलग पठेनाइ असल हेतै कैहके आबसेक ठानलियै। उ भेटी करकापसे नै महज आपन राजिखुसिके भेटी हेबे।
हम तोरासबसे भेटी नै चाहैचियौ, महज तुसब जनङ मदत करलिही ओकर आसिस परमेस्वर तोरासबके देबे कैहके हम इक्छा करैचियै।
ओहैसे तितस पहिनेसे तोरासबके बिचमे सुरु करल भेटी उठाइबला काम पुरा करे परतै कैहके हमसब ओकरा बिन्ती करलियै।
हरेक हप्ताके पहिन्का दिन तुसब आपन-आपन कमाइ अनुसार कुछ अलग कैरके जम्मा करैतरह, ताकी हम तोहर लग एबौ त भेटी जम्मा करैले नै परे।
आब हम यि भाइसबके तोरासबलग पठ्यारहल चियौ कि, तोरासबके बारेमे गर्भ करल बेरथ नै हेबे आ हमर कहल अनुसार तोरासबके सेबाके लेल तैयार पाबे।
महज यि बातके मनमे राख कि, “जे कम बिया छिटैछै उ कमे कटनी करतै, महज जे बेसिसे छिटैछै उ बेसिएसे कटनी करतै।”