4 यदि माकेडोनियाके कोनो लोक हमरसङे तोरासबलग एतौ आ तोरासबके भेटी दैले तयार भेल नै देख्तौ त हमसब लाजेसे मैर जेबै आ तुहुसब लाजेसे मरबिही कथिलेत हमसब तोरासबमे एकदम भरोसा राखने चियौ।
हम घमन्डसे जे बात बोइलरहलचियौ से बात हम परभुके अधिकारसे नै, महज मुरुख जखा बोइलरहलचियौ।
कथिलेत तुसब सहायता करैके लेल एकदमसे तयार चिही से हम जानैचियै। हम तोरासबके बारेमे माकेडोनिया परदेसके लोकसबके गर्भ कैरके कहलियै कि पौरकेसे तु अखैया परदेसमे भेल लोकसब भेटी दैकेलेल तयार चिही। तुसब उत्साहित भेलाके कारन उसब सेहो औरो बेसि उत्साहित भेलछै।
तुसब आपन परेमके परमान ओइसबके दहै आ हमसब कथिले तोरासबके बारेमे गर्भ करैचियै से बात मन्डलीसब देखे।
कथिलेत अखैया आ माकेडोनिया परदेसमे भेल मन्डलीसब यरुसलेमके गरिब बिस्बासीसबके रुपैया-पैसा सहायता करैले इक्छा करनेछै।
हरेक हप्ताके पहिन्का दिन तुसब आपन-आपन कमाइ अनुसार कुछ अलग कैरके जम्मा करैतरह, ताकी हम तोहर लग एबौ त भेटी जम्मा करैले नै परे।
हम पावल आपने हाथसे यि लिखरहल चियौ, उ रिन हम आपनेसे तिरदेबौ। तु हमर कारन आत्मिक जिबन पाबइके रिनी भेलचिही से बात नै कहैतरहेपरतौ।