7 जहिनङे सब काममे तुसब बैढते जाइचिही, अरथात बिस्बासमे, बचनमे, ग्यानमे, जोसमे आ हमरासब परती परेममे, तहिनङे तुसब यि भेटी दैबला काममे सेहो बैढते जो।
भाइ-भैयासब, तोरासबके खातिर हरदम परमेस्वरके धन्यबाद देनाइ जरुरी छै। यि फेर योग्यकेभी चियै, कथिलेत तोरासबके बिस्बास परसस्त बरहैत ज्यारहलछौ आ तोरासबके परेम एक-दोसरमे बैढरहल छौ।
परमेस्वर तोरासबके हरेक परकारके आसिस परसस्त कैरके दैले सक्तौ, ताकि तोरासबसङे सबदिन हरेक चिज परसस्त हेबे आ हरेक असल कामके लेल तुसब परसस्त कैरके दैले सक।
हमर परथना एह्या चियै, कि तुसब परेम आ ठिक-बेठिक छुटयाबैबला बुइधमे झन-झन परसस्त कैरके बैढते जाय,
ओहैसे तितस पहिनेसे तोरासबके बिचमे सुरु करल भेटी उठाइबला काम पुरा करे परतै कैहके हमसब ओकरा बिन्ती करलियै।
हमरसङे अगमबानी बोलैबला बरदान छै आ सब रहस आ सब किसिमके ग्यान बुझैले सक्बै आ पहार हटाबे सकैबला पुरा बिस्बास हमरसङे छै, महज हमरमे परेम नै छै त, हम किछो नै चियै।
के तोरासबके औरोसे बरका बनेल्कौ? कि तोरासबसङे जे छौ, उ परमेस्वर नै देल्कौ? यदि तुसब उ पाबनेचिही त, कथिले घमन्ड करैचिही?
कथिलेत परमेस्वर खिरिस्टमे हरतरहसे तोरासबके बोलिबचन आ ग्यानमे धनिक बनाइनेछौ।
परेमके कहियो अन्त नै हैछै। अगमबानीसब बितके जेतै, भसासब बन भ्याजेतै आ ग्यान हर्या जेतै।
हमसब चाहे यहुदी हेबे, चाहे गिरिक, चाहे दास हेबे, चाहे स्वतन्तर, सबकोइ एके पबितर आत्मासे बप्तिस्मा पाबनेचियै आ एके देह भेलचियै। तब अपनासबके एके पबितर आत्मा देनेछै।
महज अपनासबके परभु आ मुक्ती दैबला येसु खिरिस्टके अनुगरह आ ग्यानमे बरहैत जो। ओकर महिमा अखैन आ सबदिन हेबे। आमेन।
आब तुसब सतके माइनके आपन मन सुध कैरलेने चिही तहैलेल एक दोसर कोनो छलकपट नै कैरके भाइ-भैया आ दिदी-बहिन जखा परेम कर। हिरदयसे एक दोसरके परेम कर।
हमर दुलरुवा बेटा तिमोथी, येसु खिरिस्टके अनुगरहसे बलगर हैत जो।
तोरासबके मुहसे खराब बात नै निक्ले, महज भलाइ करैबला आ मिठ बचन बोल ताकि सुनैयोबलासबके भलाइ हेबे।
परमेस्वरके परसस्त अनुगरह तोरासबमे भेलाके कारनसे उसब मन खोइलके तोरासबके लेल परथना करतौ।
तितस एलासे मातरे नै, महज तोरासबसे उ जे सान्तबना पाबने छेलै, ओकरसे हम्हु सान्तबना पाबलियै। हमरा भेटैके तुसब एकदम इक्छा करनेचिही से उ हमरासबके कहल्कै। पहिने करल तोरासबके गल्तीसे पछुताबा करनेचिही आ हमर बातके पालन करनेचिही से उ कहल्कै। यि सुइनके हम एकदमे खुसी भेलियै।
तहिनङे तुसब आत्मिक बरदानसबके खातिर एकदमसे इक्छा करलासे, उ बरदानसब बेसिसे परयोग कर। अनङ करबिही त मन्डलीके बिस्बासीसब आत्मिक तवरसे बलगर हेतै।
हे हमर भाइ-भैयासब, हम जानैचियै कि तुसब असल चिही, सब परकारके ग्यानसे भरपुर आ एक-दोसरके सिक्छा दैले योग्यके चिही।
हम धनिक चियै आ हमरा कोनो चिजके कमी नै छै कैहके कहैचिही महज तोरा आपने दसा थाहे नै छौ कि तु दुखी, दया लागैबला, गरिब, आन्हर आ नाङटे चिही।
अहै खातिर हिलाबैले नै सकैबला राज पाबलाके कारन अपनासब परमेस्वरके धन्यबाद दहै। ओकरा मनपरैबला किसीमके भक्ती आ आदरकेसाथ ओकर आराधना करु।
परमेस्वरके महिमा आ परसन्साके लेल येसु खिरिस्टसे आबैबला धारमिकताके फलसे तुसब भरिभराउ हो।
ककरो पबितर आत्मासे बुधिके बात बोलैबला, ककरो ओह्या पबितर आत्मा ग्यानके बात बोलैबला बरदान दैछै।
जे दुइटा सोनाके डरल पाबने छेलै सेहो आइबके कहल्कै, ‘मालिक, अहाँ हमरा दुइटा सोनाके डलर देने छेलियै, देखु, हम औरो दुइटा सोनाके डलर कमाइलियै।’