20 हमरासबके कोइ दोस नै लगाबे कैहके उदार चितसे देल यि भेटीके हमसब होसियारीसाथ चलाइचियै।
सब अधलाह बातसबसे दुर रह।
अहै खातिर, केहेन चालचलन चले परतौ तैमे निकसे धियान दहै, मुरुख नै महज बुधिमान हो।
हम जे काम कैर रहलचियै से काम कैरते रहबै, ताकी ओइसबके करल काम हमरे बराबर चियै कैहके उसब घमन्ड करैके मौका नै पाबे।
जब हम एबौ त तोरासबके जम्मा करल भेटी यरुसलेममे लजाइके लेल तोरासबके चुनल लोकके हम सिफारिस कैरके पठ्यादेबौ
तैखातिर असल काम कैरके खराब कहैले दोसरके मौका नै दहै।
“देख, हम तोरासबके भेंरा जखा नरहियासबके बिचमे पठाइचियौ, तै खातिर तुसब साँप जखा चलाक आ पौरकी जखा सिधा-साधा रह।
अतबे नै, अकरा जम्मा करल पैसा पुगाबैबला काममे हमरासबसङे जाइले मन्डलीसे छान्नेछै। यि काम हमसब परभुके महिमाके लेल आ हमरासबमे लोकसबके मदत करैबला मन छै से देखाइले करनेचियै।
कथिलेत हमसब परभुके नजरमे मातरे नै, बल्की लोकोसबके नजरमे जे ठिक छै ओह्या करैके लक्छ राखैचियै।