2 उसब एकदम संकटके परिक्छामे रहितोपरभी परसस्त आनन्दित भेलै आ गरिबीमे सेहो उसब उदार चितसे भेटी देल्कै।
हे हमर पिरिय भाइ-भैयासब, सुन। कि परमेस्वर सन्सारके गरिबसबके बिस्बासमे धनिक बनाके ओइ राजके हकदार हैकेलेल नै चुन्ने छै? ओह्या राज ओकरा परेम करैबलासबके उ दैले परतिग्या करनेचियै नै?
हमरा तोहर कस्ट आ तोहर गरिबी थाहछै। महज बास्तममे तु धनिक चिही। हम ओकरासबके चिन्हैचियै, जे आपनके यहुदी त चियै कहैछै, महज बास्तममे नै चियै। उसब तोहर बिरोध करल निन्दा हम जानैचियै। उसब त सैतानके लोकसब चियै।
सोकमे रहितोपरभी हरसमय आनन्दमे रहैचियै। गरिब रहितोपरभी बहुतोके आत्मिकी रुपमे धनिक बनाबैचियै। कुछो नै रहितोपरभी हमरासबसङे सब चिज छै।
तुसब खिरिस्टके सुसमाचारमे बिस्बास कैरके आग्याकारी भेल बात आ तोरासबके खुल्ला हिरदयसे देल दानसे परमेस्वरके महिमा हेतै। यि सेबाके कामसे तुसब केहेन चिही कैहके लोकसबके परमानित हेतौ।
तुसब हमरासबके आ परभुके देखासेखी करलिही, कथिलेकी सताबटमे सेहो तुसब पबितर आत्मासे देल सुसमाचार खुसिसे गरहन करलिही।
जकरसङे अरति-उपदेस दैबला बरदान छै त, अरति-उपदेस दैबला काम करे, दान दैबला बरदान पाबलहासब खाचोमे परलहासबके उदार-चितसे दान देबे, अगुवाइ करैबला पुरा मन लग्याके अगुवाइ करे, दया करैबला खुसिसाथ लोकसबके दया करे।
यि बात हमरासबके थाहछै भाइ-भैयासब कथिलेकी तोरासबके जे समस्या भेलौ उ समस्या यहुदियामे रहल परमेस्वरके मन्डली अरथात खिरिस्ट येसुमे बिस्बास करैबला लोकसबके भेलै। उसब आपन जाती यहुदीसे जनङ सताबट पाबल्कै तहिने तुहुसब आपने जातीके लोकसबसे सताबट पाबनेचिही।
तुसब हर बखत खुसी मनसे औरोके दैले सक कैहके परमेस्वर तोरासबके धनिक बनाइतौ। तोरासबके देल दान हमसब औरो मन्डलीसबमे बाटैके कारन बहुतो लोक परमेस्वरके धन्यबाद देतै।
अइ बातमे हमसब गर्भ करैचियै आ हमरासबके बिबेक सेहो साक्छी दैछै कि, अइ सन्सारमे बिसेस कैरके ओइसबसङे समबन्धमे हमसब इमान्दार आ परमेस्वरमे पबितर जिबन बितेलियै। यि हमसब सन्सारके ग्यानसे नै महज परमेस्वरके अनुगरहसे पाबनेचियै।
कि आपन इक्छा लागल लोकके आपने पैसा-कौरी दैले हमरा अधिकार नै छै? हम ओकरा दया करलियै त तोरा कथिले डाह हैछौ’?”
या कि तु परमेस्वरके महान किरपा, सहनसिलता आ धिरजके तुच्छ सम्झैचिही? परमेस्वर आपन किरपासे तोरा पापसे पस्चाताप करैके मौका देनेछौ से बात कि तोरा थाह नै छै?
तुसब हरेक बिसयमे आग्याकारी चिही कि नै कैहके जाचैके लेल हम उ चिठी तोरासबके लिखने छेलियौ।