16 परमेस्वरके धन्यबाद हेबे, परमेस्वर तोरासबके लेल हमरे जखा इक्छा तितसके हिरदयमे राइखदेल्कै।
कथिलेत परमेस्वर आपन उदेस्य पुरा करैबला मन ओकरासबके देनेछै आ परमेस्वरके कहल बचन पुरा नै हैतक उसब एकेमन भ्याके काम करतै, राज करैबला आपन अधिकार उ जानबरके देतै।
तिमोथी जखा तोरासबके सुध मनसे वास्ता करैबला असल लोक त हमरसङे औरो कोइ नै छै।
हम उ चिठी अनियाय करैबला लोकके लेल नै लिखने चियै, नै त अनियायमे परल लोकके लेल महज अइ हेतुसे कि परमेस्वरके नजरमे हमरासबके परती तोरासबके वास्ता केहेन छौ, से तोरासबके थाह हेबे।
तितस एलासे मातरे नै, महज तोरासबसे उ जे सान्तबना पाबने छेलै, ओकरसे हम्हु सान्तबना पाबलियै। हमरा भेटैके तुसब एकदम इक्छा करनेचिही से उ हमरासबके कहल्कै। पहिने करल तोरासबके गल्तीसे पछुताबा करनेचिही आ हमर बातके पालन करनेचिही से उ कहल्कै। यि सुइनके हम एकदमे खुसी भेलियै।
तुसब किछो कहबिही तैयो, किछो करबिही तैयो सब बात परभु येसुके नाममे कर तब ओकरेसे परमेस्वर पिताके धन्यबाद चरहा।
ओहैसे तितस पहिनेसे तोरासबके बिचमे सुरु करल भेटी उठाइबला काम पुरा करे परतै कैहके हमसब ओकरा बिन्ती करलियै।
तितस हमर सङी चियै आ तोरासबके सहायता करैके लेल हमरसङे काम करैछै। ओकरसङे जाइबला भाइसबके खिरिस्टके महिमाके लेल मन्डलीसब पठाइनेछै।