11 आब तुसब आपनसे सुरु करल काम पुरा कर। ओइ समयमे तोरासबके दैके इक्छा बहौत छेलौ आ सके जतहेक औकात अनुसार द्याके आपन इक्छा पुरा कर।
कथिलेत तुसब सहायता करैके लेल एकदमसे तयार चिही से हम जानैचियै। हम तोरासबके बारेमे माकेडोनिया परदेसके लोकसबके गर्भ कैरके कहलियै कि पौरकेसे तु अखैया परदेसमे भेल लोकसब भेटी दैकेलेल तयार चिही। तुसब उत्साहित भेलाके कारन उसब सेहो औरो बेसि उत्साहित भेलछै।
कथिलेकी हम गबाही दैचियै कि, उसब आपन औकात अनुसार मातरे नै महज औकातोसे बहौत बेसि आपन राजिखुसीसे देल्कै।
यदि तोरासबके दैके इक्छा छौ त, तोरासबसङे जे छौ, ओहैमेसे देल परमेस्वर सुइकार करैछै, महज तोरासबसङे नै भेल चिज परमेस्वर नै माङैछै।
अतबे नै, अकरा जम्मा करल पैसा पुगाबैबला काममे हमरासबसङे जाइले मन्डलीसे छान्नेछै। यि काम हमसब परभुके महिमाके लेल आ हमरासबमे लोकसबके मदत करैबला मन छै से देखाइले करनेचियै।