12 हमरासबके परेम तोरासब परती कम नै भेलछौ, बरु तोरासबके परेम हमरासब परती कम भेलछौ
तुसब आपन हिरदयमे हमरासबके ठाम दहै। हमसब ककरो अनियाय नै करनेचियै। हमसब ककरो खराब बाट नै देखाइने चियै आ नै ककरोसे फैदा उठाइने चियै।
जे लोकसङे सन्सारके धन-सम्पैत छै, महज आपन भाइके घटि-कमीमे देखभाल करैले मन कठोर करैछै त वेहन लोक परमेस्वरके कनङ परेम करे सक्तै?
खिरिस्ट येसुवे जखा हम्हु तोरासबके परेम करलासे तोरासबके भेटैके एकदम इक्छा करनेचियै से परमेस्वर जानैछै।
जिबनमे पुगाइबला केबार सकेत हैछै आ रस्ता कठिन हैछै आ उ रस्ता पाबैबला थोरबेक हैछै।
हमसब चारु दिसनसे कस्ट भोइगरहलचियै, महज गुन्डीमिसान नै भेलचियै। दोधारमे परलचियै, महज निरास नै भेलचियै।