6 तहैलेल हमरासबके पुरा भरोसा छै। हमसब जानैचियै कि, जाबेतक हमसब देहमे रहबै ताबेतक हमसब परभुके आमने सामने नै रहबै।
हमरासबके थाहछै कि हमसबके यि बास करल नासबान देह पाल जखा चियै, जे एक दिन नास हेतै तैयो परमेस्वरके देल देह स्वरगमे अनन्ततक रहैबला घर जखा हेतै, जे लोकके हाथसे नै बनलछै।
उ सबलोक परमेस्वरके परतिग्या करल बात नै पाइबके बिस्बासेमे मरलै। उसब परमेस्वरके परतिग्या करल बात दुरेसे देखल्कै आ स्वागत करल्कै, तब उसब अइ पिरथिबीमे आपनेके परदेसी आ परबासी चियै कैहके ठानल्कै।
हम युहन्ना, खिरिस्टमे तोरासबके भैया चियौ। येसुमे बिस्बास करलाके कारन हम तोरासबसङे धिरज होके सहने चियै, जे दुख ओकर राजमे हैबलासबमे सेहो आबैछै। परमेस्वरके बचन आ येसु खिरिस्टके करल सतके बारेमे परचार करलाके कारन हमरा पत्मोस टपुमे कैद कैरके राखने छेलै।
हम एकटा मन्डलीके एल्डर चियै आ खिरिस्टके भोगल दुख-कस्टके आपनेसे देख्ने चियै आ पछा आबैबला महिमामे सहभागी हेबै। ओहैसे हम तोरासबके बिचमे भेल एल्डरसबके बिन्ती करैचियौ।
अहैलेल तुसब आपन यि भरोसा नै तियाग। तोरासबके अकर बरका इनाम मिल्तौ।
अपनासबके पुरा भरोसा छै, बरु हमसब अइ भौतिक देह त्यागके परभुसङे रहैले चाहैचियै।
कथिलेकी अइ सन्सारमे अपनासबके लेल सबदिन रहैबला सहर नै छै, महज आबैबला सहरके बाट ताकैचियै।