14 हमसब जानैचियै कि परभु येसुके जियाइबला हमरोसबके येसु सङे जियाइतै आ वह्या हमरासबके आ तोरासबके आपनलग लजाइतै।
कथिलेकी येसु मरलै आ फेनसे जिबित भेलै कैहके अपनासब बिस्बास करैचियै, अहैलेल जब येसु फेनसे एतै त मरैसे पहिने येसुमे बिस्बास करल लोकसबके परमेस्वर फेनसे जियेतै आ ओकर सङे-सङे एतै।
यदि येसुके मरलसे जिबित करैबला परमेस्वरके पबितर आत्मा तोरासबमे बास करैछौ त, येसु खिरिस्टके मरलसे जिबित करैबला वह्या आत्मा तोरासबके नास हैबला देहके सेहो जिबन देतौ।
तोरासबके पापमे परैसे बचाइले सकैबला आ आनन्दसाथ आपन महिमाके अगा तोरासबके निरदोस ठहराइले सकैबला परमेस्वरके परसन्सा हेबे।
जनङ परमेस्वर आपन सक्तिसे येसु खिरिस्टके मरलसे जिबित करल्कै तहिनङे आपनोसबके ओकर सक्तीसे जिबित करतै।
यि मन्डलीके पबितर, निरदोस, दाग नै लागल, नै घोकच्याल आ कोनो परकारके दोख नै लागल सुन्दर मन्डली बन्याके आपनसङे रहैले एहैन करल्कै।
परमेस्वर तोरासबके करल वास्ता जखा हम्हु तोरासबके वास्ता करैचियौ, कथिलेकी हम त एक मातरे बर खिरिस्टसङे तोरासबके बियाह कैरदैके परतिग्या करनेचियौ। ओहैसे तोरासबके ओकर पबितर कुमाइर कनियाके रुपमे कनियादान करैके बिचार करनेचियौ।
तैखातिर हमसब ग्यानमे सबलोकके चेताबनी आ सिक्छा दैत खिरिस्टके बारेमे परचार करैचियौ ताकी सबलोकके खिरिस्टमे परिपक बन्याके परमेस्वरके अगा लाबैले सकी।
महज आब खिरिस्टके देहके बलिदानसे परमेस्वर तोरासबके आपनसङे सुध, पबितर आ निरदोस कैरके मेलमिलापमे आन्नेछौ।
महज ओकरा परमेस्वर मरनके दुखसे छुटकारा द्याके जिबित करल्कै। कथिलेत ओकरा मिरतुके अधिनमे रहनाइ असम्भब छेलै।
महज यि सब बातसबसे बचैले आ मानब पुतरके अगामे ठडा हेबे सके तै सक्तिके लेल परमेस्वरसङे सबघरी जागल रह आ परथना कर।”
“अहै येसुके परमेस्वर जिबित करल्कै। यि हम सबकोइ अकर साक्छी चियै।
बिस्बास साथ करल परथनासे बिमारी निक हेतै तब परभु ओकरा निक कैरदेतै। उ लोक पाप करने रहतै तैयो छमा पाबतै।