12 अहिनङ हमसब मिरतुके मुहमे जियैचियै, जकर कारनसे तुसब अनन्त जिबन पाबनेचिही।
हमसब कमजोर भेलियै तैयो तुसब बौकार चिही तहैमे हमसब खुस चियै आ तुसब परिपक हैले सक कैहके परथना करैचियौ।
खिरिस्टके परेम हमसब जानैचियै कि उ अपनासबके खातिर आपन परान देल्कै। तैल्याके अपनोसबके आपन भाइके लेल आपन परान दैलेपरतै।
हमसब खिरिस्टके सेबक भेलासे लोकसबके नजरमे मुरुख भेलचियै, महज तुसब त खिरिस्टके लेल बुधिमान चिही। हमसब कमजोर चियै, महज तुसब बौकार चिही। लोकसब त तोरासबके आदर करैछौ महज हमरासबके अनादर करैछै।
महज हम आपन जिबनके कोनो मोलके नै मानैचियै। अतबेहेक मातर चाहैचियै कि, परमेस्वर लोकसबके अनुगरह देने छै से सुसमाचार करैले हम अन्ततक दौरबरहा करी आ परभु येसुसे मिलल सेबाके काम पुरा करेसकी।
यदि तोरासबके बिस्बाससाथ करल सेबाके कामके खातिर हमरा लहु बहाबैले परतै तैयो हम खुसिसे बहेबौ आ तोरेसबसङे आनन्द मनाइबौ।
तोरासबके भलाइके लेल हमरसङे भेल सब चिज खुसिसे देबौ आ अपना स्वयमके देबौ। यदि हम तोरासबके बेसी परेम करैचियौ त कथिले हमरा कमतियै परेम करैचिही?
कथिलेकी उ खिरिस्टके काम करैके लेल मिरतुके मुहमे परल छेलै। तुसब हमर लेल पुरा करैले नै सकल सेबा उ पुरा करल्कै।
अपनासबके यि मरैबला देहमे येसुके जिबन देखा परे कैहके हमसब जिबित रहितो ओकरलेल सबदिन मिरतुके मुहमे परैत रहैचियै।
“हम बिस्बास करलियै, ओहैसे हम बोललियै” कैहके पबितर धरमसास्तरमे लिखैबला लोके जखा हमरोसबमे बिस्बासके आत्मा भेलाके कारन हमसबसेहो बिस्बास करैचियै आ बोलैचियै।