11 अपनासबके यि मरैबला देहमे येसुके जिबन देखा परे कैहके हमसब जिबित रहितो ओकरलेल सबदिन मिरतुके मुहमे परैत रहैचियै।
जहिनङे हमसब अखुन माटीसे बनल लोकके रुपमे धारन करनेचियै, तहिनङे एक दिन हमसब स्वरगके लोकके रुपमे धारन करबै।
पबितर धरमसास्तरमे एहेन लिखलछै, “अहाँके लेल त हमसब हरेक दिन मरैचियै। हमसब काटैके लेल तयार करल भेंरासब जखा चियै।”
हमसब यि देहमे रहैतक बोझसे दब्याके छटपटाबैचियै। अइ देहके मैरके त्यागबै कैहके नै छटपटाबैचियै बरु कहिया स्वरगिय देह बस्तर जखा लगाइबै कैहके चियै, ताकि नास हैबला देह कहियो नास नै हैबला देहमे बदैलजेतै।
हे हमर भाइ-भैयासब, तोरासबके कारन परभु येसु खिरिस्टमे हम गर्भसे यि कहैले सकैचियौ, कि हम दिन-दिने मिरतुके खतरामे परैचियै।
यदि येसुके मरलसे जिबित करैबला परमेस्वरके पबितर आत्मा तोरासबमे बास करैछौ त, येसु खिरिस्टके मरलसे जिबित करैबला वह्या आत्मा तोरासबके नास हैबला देहके सेहो जिबन देतौ।
येसुके जिबन अपनासबके देहमे परकट हेबे कैहके हमसब ओकर मिरतु सबदिन अपनासबके देहमे बोइकके चलैचियै।
अहिनङ हमसब मिरतुके मुहमे जियैचियै, जकर कारनसे तुसब अनन्त जिबन पाबनेचिही।
हमरासबके निकसे चिन्हीयोके अनचिन्हार जखा करैछै। मरे लागल चियै तैयो जियल चियै। सजाय पाबनेचियै तैयो मारलगेल नै चियै।