10 येसुके जिबन अपनासबके देहमे परकट हेबे कैहके हमसब ओकर मिरतु सबदिन अपनासबके देहमे बोइकके चलैचियै।
यदि ओकर मिरतुमे अपनासब ओकरसङे एके भेलचियै त, ओकर पुनरुथानमे सेहो पक्का अपनासब ओकरमे एक हेबै।
यि बात एकदम सत छै, यदी हमसब ओकरसङे मरल चियै त, ओकरेसङे जिबै।
बरु खिरिस्टके दुख-कस्टमे सहभागी हैले पाबलियै कैहके आनन्द मना। जब उ आपन महिमाके सङे फेनसे एतै, तै बखत तुसब औरो आनन्द मनाइले सके।
महज यदि अपनासब खिरिस्टसङे मरल चियै त, ओकरसङे जिबित सेहो हेबै कैहके बिस्बास करैचियै।
कथिलेत उ कमजोर भ्याके कुरूसमे टाङल गेलै महज परमेस्वरके सक्तीसे जिबित भेलै। तहिनङे हम्हुसब ओकरसङे कमजोर भेलचियै, महज परमेस्वरके सक्तिसे खिरिस्टके लया जिबन अपनासबमे सेहो छै आ उ जिबनके सक्ती तोरासबसङे बेबहार करैतखिना देखल जेतै।
हमसब जतहेक खिरिस्टमे दुख भोग्बै, ततहेक बहौत परमेस्वर अपनासबके खिरिस्टसे सान्तबना देतै।
पबितर धरमसास्तरमे एहेन लिखलछै, “अहाँके लेल त हमसब हरेक दिन मरैचियै। हमसब काटैके लेल तयार करल भेंरासब जखा चियै।”
अखुन हम तोरासबके खातिर दुखो भोइगके खुसी चियौ कथिलेत खिरिस्टके देह अरथात मन्डलीके खातिर बाकी रहल दुख-कस्टसब हम आपन देहमे भोइगके पुरा करैचियौ।
हमरासब त आब मैर जेबै जखा लागल छेलै। हमसब आपनेमे भरोसा राखैके लेल नै, महज मरलहासबके जियाइबला परमेस्वरमे भरोसा करे सकि कैहके यि हैले एलै।
आबसे हमरा कोइने दुख देबे, कथिलेत हम खिरिस्ट येसुके दास चियै से परमान देखाबैले आपन देहमे ओकर चोटके डामसब धारन करनेचियै।
कुछ देरके बाद हमरा फेनो सन्सार नै देख्तै, महज तुसब हमरा देखबिही। हम जिबित भेलाके कारन, तुहुसब जिबित रहबिही।
ओकरा देखके हम मरल जखा भेलियै आ ओकर टाङमे खैस परलियै। तखन उ हमर मुरमे दहिना हाथ राखैत कहल्कै, “नै डेरा, सुरु आ अन्त हम्ही चियै।
अपनासबके यि मरैबला देहमे येसुके जिबन देखा परे कैहके हमसब जिबित रहितो ओकरलेल सबदिन मिरतुके मुहमे परैत रहैचियै।
खिरिस्टके पछा चलैके कारन तोरासबके अपमान करैछौ त, तुसब धन्यके चिही, कथिलेकी परमेस्वरके महिमीत आत्मा तोरासबमे रहैछौ।