8 पबितर आत्मासे आबैबला सेबाके चमक औरो बेसी महिमामय नै हेतै?
तुसब परमेस्वरके मन्दिर चिही आ परमेस्वरके आत्मा तोरासबमे बास करैछौ, कि तुसब नै जानैचिही?
खिरिस्टके कारनसे अपनासब एके पबितर आत्मा पाइबके पिता परमेस्वरके सामने जाइले सकैबला भेलचिही।
अहैसे अबराहमके देल आसिस खिरिस्ट येसुसे औरो जातीके लोकसबके मिलैछै आ परमेस्वरके परतिग्या करल पबितर आत्मा अपनासब बिस्बाससे पाबैले सकैचियै।
परमेस्वर पिता आपन पहिनेके योजना अनुसार तोरासबके छानल्कौ आ आपने पबितर आत्मासे पबितर बनेल्कौ। येसु खिरिस्टके आग्यापालन करैले आ ओकर लहुके छिटकासे सुध हेबे कैहके उ तोरासबके छानल्कौ। परमेस्वरके अनुगरह आ सान्ती तोरासबमे परसस्त हेबे।
परभुके परेम करल भाइ-भैयासब, तोरासबके खातिर हमसब हरदम परमेस्वरके धन्यबाद चरहाइले बिबस चियौ, कथिलेत परमेस्वर सुरुवेसे तोरासबके मुक्ती दैकेलेल चुनल्कौ। उ मुक्ती तोरासबके पबितर बनाइले पबितर आत्मासे आ सत बातमे तोरासबके करल बिस्बाससे आबैछै।
कथिलेत बेबस्था मोसासे एलै, महज अनुगरह आ सत्यता येसु खिरिस्टसे एलै।
महज हमसब खिरिस्टमे बिस्बास करलासे पबितर आत्मा अपनासबके परमेस्वरके अगा धरमी ठहरैबला आसाके बाट ताकैले लगाइतौ।
यदि कोनो लोक आइबके हमरासबके करल येसुके परचार बाहेक दोसर येसुके परचार करतै त, तोरासबके भेटल आत्मासे दोसरे आत्मा तुसब गरहन करबिही त, या तोरासबके भेटल सुसमाचारसे कोनो दोसर सुसमाचार गरहन करबिही त, तुसब यि सबके अगा सहजे झुकैचिही।
आब परभु आत्मा चियै आ जते परभुके आत्मा छै ओते स्वतनन्तरता रहैछै।
ओह्या हमरासबके लया करारके सेबकसब बनैके लेल योग्य बनेल्कै। यि करार लिखीत बेबस्थाके नै महज पबितर आत्माके करार चियै। कथिलेकी पुरन्का लिखल बेबस्थाके करार त मिरतु लाबैछै, महज लया करारमे पबितर आत्मा त जिबन दैछै।
येसु यि बात पबितर आत्माके बारेमे कहने छेलै, जे पबितर आत्मा ओकरमे बिस्बास करैबलासब पाबैले लागलछेलै। ओइ बखत तक परमेस्वर पबितर आत्माके नै पठेने छेलै, कथिलेत येसु आपन स्वरगके महिमामे घुइमके नै गेलछेलै।
मिरतु आनैबला बेबस्था पथलके सिलेटमे खोपके लिखल छेलै। उ बेबस्था एहेन महिमामय भ्याके एलै कि ओकर चमकसे इजराएलीसब मोसाके चेहरा देखैले नै सकल्कै, महज उ चमक हराइते जाइतरहै। मिरतु आनैबला बेबस्था अनङ छेलै त,
जब दोसी ठहराबैबला बेबस्था महिमामय छेलै त कि धरमी ठहराबैबला काम ओइसे बेसी महिमामय नै हेतै?