हम त मुरुख जखा भेलियै, महज तुहिसब हमरा एहेन करैले कर लगेलिही। बास्तममे तोरेसबके हमर पक्छमे निक बात बोलैले परतियौ, कथिलेत हम किछो नै छेलियै तैयो महान परेरितसबसे त हम कम नै चियै।
आपनके बरका सम्झैबला लोकसबसङे हमसब आपनके एकेटा दरजामे या तुलना करैले साहस नै करैचियै, महज उसब आपने आपके एक-दोसरसङे नाइपके देखैछै या तुलना करैछै आ उसब मुरुख लोक जखा हैछै।
परमेस्वरके देल अनुगरहसे हम एकटा घर बनाइबला सिपालु मिसतिरी जखा जग खरा करलियै आ दोसर कोइ तैमे घर बनाबैछै। तैमे घर बनाइबला हरेक लोक कनङके बनाबैछै से निकसे धियान देबे।