7 बरु आब तुसब ओकरा छमा करे परतौ आ सान्तबना देबेपरतौ, नै त उ बहौत बरका भारी सोकमे डुइब जेतै।
महज एक-दोसरके दया देखा। जनङ परमेस्वर तोरासबके खिरिस्टमे छमा करल्कौ तहिनङे तुहुसब एक-दोसरके छमा कर।
तुसब एक-दोसरके सहन कर, ककरो बिरोधमे मन दुखाइबला बातसब छौ त छमा कर। जनङ तोरासबके परभु छमा करनेछौ तैहनङ तुहुसब एक-दोसरके छमा करेपरतौ।
भाइसब, अपनासबके परभु येसु खिरिस्टके नाउमे हमसब तोरासबके यि आग्या करैचियौ कि, जे बिस्बासी लोकसब हमरासबके देल सिक्छा अनुसार नै चलैछै आ कोढिया छै ओकरासबके सङहतसे दुरे रह।
देख भाइसब, मरलहा बिस्बासीसबके कि हैछै से तोरासबके थाह हेबे से हमसब चाहैचियै, ताकि आसा नै भेल्हा लोकसब जखा तोरासबके सोक करे नै परे।
साँचोके उ बिमार पैरके मरैले लागल छेलै, महज परमेस्वर ओकर उपर दया करल्कै। ओकरा मातरे नै महज हमरा दुख उपर दुख नै हेबे कैहके हमरो दया करल्कै।
जे परमेस्वरके इक्छा सुइकार कैरके दुख मानैछै आ पस्चाताप करैछै, तकरा परमेस्वर बचेतै। एहेन किसिमसे दुखमे पछताइले नै परैछै। महज सन्सारके लोकसब जखा दुख मातरे करैछै त उ मिरतु दिसन लजाइछै।
हमसब यि देहमे रहैतक बोझसे दब्याके छटपटाबैचियै। अइ देहके मैरके त्यागबै कैहके नै छटपटाबैचियै बरु कहिया स्वरगिय देह बस्तर जखा लगाइबै कैहके चियै, ताकि नास हैबला देह कहियो नास नै हैबला देहमे बदैलजेतै।
जब नास हैबला देह नास नै हैबला देहमे आ मरनसिल देह अमर रहैबला देहके रुपमे परिबरतन हेतै, तब पबितर धरमसास्तरमे एहेन लिखल बचन पुरा हेतै, “मिरतु हारलै, जित पुरा भेलै।”
अहैलेल हम तोरासबके बिन्ती करैचियौ कि उ लोक परती आपन परेम औरो गहिरसे परकट कर।