2 कथिलेकी हमरा खुसी बनाइबला लोक तुहिसब चिही, हम तोरासबके चित दुखाइबौ त के हमरा खुसी बनाइतै?
हम आपन चिठीसे तोरासबके दुखित करलियौ तैयो हमरा पछतावा नै छै। सुरुमे हमरा पछतावा त भेलै महज अखैन हमर चिठीसे तोरासबके कुछ समयके लेल मातरे दुखित बनाइल्कौ कैहके हमरा लागैये।
अखैन तुसब हमरासबके बारेमे पुरा रुपसे नै बुझने चिही महज तुसब पुरा रुपसे बुझबिही कैहके आसा करैचियै। परभु येसु खिरिस्ट आबैबला दिनमे तुसब हमरासबके बारेमे गर्भ करबिही, जनङ हमसब तोरासबके बारेमे गर्भ करैचियै।
यदि एकटा अङके दुख हैछै त, देहके पुरे अङ दुख भोगैछै। यदि एकटा अङके आदर हैछै त, देहके पुरे अङसब एकसाथ खुसी मनाबैछै।
आनन्द करैबलासबसङे आनन्द कर आ कानैबलासबसङे कान।
कोइ कमजोर छै त हम्हु कमजोर भेल महसुस करैचियै। जब कोइ पापमे फस्याल जाइछै त हमरा एकदमसे रिस उठैछै।
यि बात सुइनके उ लोक एकदम निरास भेलै आ ओतेसे चैलगेलै, कथिलेत ओकरा बहुत धन-सम्पती रहै।