11 ताकी सैतान हमरासबके फसाबैके मौका नै पाबे, कथिलेकी ओकर जुक्तीके बिसयमे हमसब अनजान नै चियै।
होसियार रह आ जागल रह, कथिलेकी तोरासबके दुस्मन सैतान ककरा भेटाइबै आ ख्यालेबै कैहके गरजैबला सिंह जखा खोजैत घुमैछै।
जनङ सैतान साँपके रुप ल्याके चलाकिसे हब्बाके ठगल्कै, ओहिनङ खिरिस्ट परती तोरासबके इमान्दारी आ सुध भक्तीसे तोरासबके मन बहकतौ कि हमरा तकर डर लागैये।
तब येसु कहल्कै, “सिमोन, ए सिमोन देख! सैतान तोरासबके गहुमे जखा फटकैले आग्या माङनेछौ,
सैतान, जे अइ सन्सारके देबता चियै से महिमीत सुसमाचारके इजोतके नै देखे कैहके खिरिस्टमे बिस्बास नै करैबला लोकसबके बुझैबला सक्तीके आन्हर बन्यादेनेछै।
तब येसु फेनो ओकरा जबाब देल्कै, “ऐ सैतान, तु हमर नजरसे दुर भ्याजो! कथिलेत लिखल छै, ‘तु परमपरभु आपन परमेस्वरके गोर लाग आ ओकरेटा सेबा कर।’”
यि कोनो अचमके बात नै चियै, कथिलेकी सैतानो चम्कैबला स्वरगदुतके जखा भेस धारन करैछै।
घरबला आ घरबाली एक-दोसरके सारिरीक समबन्धसे इन्कार नै कर। इन्कारो करबिही त परथनामे समय बिताबैके लेल एक-आपसमे सल्लाह कैरके कुछ समयके लेल अलग रह। तब फेर एकसाथ रह, नै त तुसब आपन मन थामैले नै सक्लाके कारनसे सैतान तोरासबके परिक्छामे पारतौ।
उ आपन बिरोधीसबके लरम भ्याके सुधारैबला हैकेचाही। भ्यासकैछै परमेस्वर बिरोधीसबके मन बदैल देतै आ उसब सतके चिन्हे सक्तै।
तब येसु आपन चेलासबसङे साँझके भोजन खाइछेलै। सैतान पहिनेसे सिमोनके बेटा यहुदा इस्कोरियोतके मनमे ओकरा पकरादैके बिचार राइखदेने छेलै।
महज एहेन खराब सिक्छामे नै लागल आ सैतानके भितरी रहसके बात नै मानैबला थिआटिरामे भेल औरो लोकके कहैचियौ कि, हम तोरासबके औरो कोनो भारी आग्या नै देबौ।
आ उ यि सेबाके काम आ परेरितके सेबाके काम कैर सके, जे सेबाके कामसे यहुदा भटैकके आपने ठाममे मरलै।”
मारलगेल थुमाके जिबनके किताबमे सन्सारके सिरिस्टी हैसे पहिने नाम लिखल लोकसब बाहेक पिरथिबीमे रहैबला सबकोइ ओइ जानबरके पुजा करतै।