9 महज परभु हमरा कहल्कै, “हमर अनुगरह तोहर लेल परसस्त छौ, कथिलेत हमर सक्ती कमजोरीमे पुरा हैछै।” तैखातिर खिरिस्टके सक्ति हमरमे रहे कैहके कमजोरीमे हम औरो खुसीसे घमन्ड करैचियै।
खिरिस्टके देल सक्तीसे हम सबचिज करैले सकैचियै।
ओहैसे खिरिस्टके खातिर कमजोरीमे, बदनामीमे, कठिनाइमे, सताबटमे, आपत-बिपतमे हम सन्तुस्ट चियै। कथिलेकी जब हम कमजोर हैचियै, तब हम सक्तिसाली हैचियै।
ओकर महान सम्पैत आ आत्मासे तोरासबके सक्ती मिले। उ सक्ती तोरासबके आत्म बल बरहैत जाए कैहके हम परमेस्वरसङे परथना करैचियौ।
तोरासबके जिबनमे आबैबला सब परिक्छासब लोकसबके बिचमे आबैबला जखा हैछै। परमेस्वर बिस्बासयोग्य छै, जे तोरासबके सहे नै सकैबला परिक्छामे नै पारतौ। जब तु लोभमे परबिही परमेस्वर तोरा उ परिक्छासे बचैयोके लेल सहायता करतौ। तब तु सहैले सकबिही।
अहैलेल अपनासब परमेस्वरके अनुगरहके सिंहासनके अगा निडर भ्याके चल आ खाचो परलहा समयमे सहायता पाबैके लेल किरपा आ अनुगरह पाबैले सकी।
हम ओइ लोकके बारेमे घमन्ड करबै महज हम आपन कमजोरी बाहेक औरो कोनो बातमे घमन्ड नै करबै।
महज हम जे चियै, उ परमेस्वरके अनुगरहसे चियै आ हमर उपर करल ओकर अनुगरह बेकार नै भेलै। हम औरो परेरितसबसे बेसि मेहनत करलियै। बास्तममे काम करैबला हम नै, महज हमरसाथमे भेल परमेस्वरके अनुगरहसे काम करनेचियै।
ताकि तोरासबके बिस्बास लोकके बुइधमे नै, महज परमेस्वरके सक्तीमे अरल रहे।
परमेस्वरके महिमीत सक्ती तोरासबके बलगर बनाबे कैहके हमरासबके परथना छै, तब मातरे तुसब अस्थिर भ्याके सब चिज आनन्दसे सहन करैले सकबिही।
कथिलेत हम तोरासबके एहेन सब्द आ बुधि देबौ, कि तोहर बिरोधीसब तोरासबके बात सुइनके एकोटाके जबाब दैले नै सक्तौ, ओकरौरके मुहमे तला लाइग जेतौ।
यदि हमरा गर्भ करे परतै त, हम आपने कमजोरी देखाइबला बातसबमे गर्भ करबै।
आब देख, अपनासबके परभु येसुके अनुगरह हमर उपर कतहेक बहौत छै कि उ आपन बिस्बाससे आ परेमसे हमरा भरल्कै।
उसब धधकैत आइगके मुझा देल्कै, तलबारके धारसे बच्लै। उसब दुरबलतासे आब बलबन्त भेलै। लराइमे साहसके साथ लैरके सब बिदेसी सेनाके फौजके जितल्कै।
हम तोरासबके आग्या करल सब बात मानैले ओकरासबके सिखा। देख, हम युगके अन्ततक सबदिन तोरासबके सङे चियौ।”
तखने येसु ओइसबलग आइबके कहल्कै, “स्वरगके आ पिरथिबीके सब अधिकार हमरा देल गेल छै।
तोरासबके भलाइके लेल हमरसङे भेल सब चिज खुसिसे देबौ आ अपना स्वयमके देबौ। यदि हम तोरासबके बेसी परेम करैचियौ त कथिले हमरा कमतियै परेम करैचिही?
हम तोरासबके लग जखुन एलियौ तखुन कमजोर भ्याके, एकदम डर्याल आ थरथर कापैत एल छेलियौ।
हमरा किछो फैदा नै हेतै तैयो गर्ब करैये परतै। आब हम परभुसे पाबलहा दरसनसब आ परभुसे परकट करल बातसब कहैचियौ।