7 तोरासबके बरका बनाबैके लेल हम आपनके छोट बैनके परमेस्वरके सुसमाचार फोकटमे सुनाइलियौ त कि हम पाप करलियै?
औरो मन्डलीके तुलनामे हम तोरासबके कोन बातमे नै निक बेबहार करलियौ? हँ, हम तोरासबके लेल बोझ नै भेलियौ। एह्या हमर गल्ती चियै, अइमे हमरा छमा कैरदे।
भाइसब, हमरासबके कस्ट आ मेहनत तोरासबके थाहे छौ। तुसब परमेस्वरके सुसमाचार सुनाइबखत ककरो उपर भार नै परौक कैहके हमसब आपन खर्च-बर्च करैले दिन-रात खैटके काम करलियै।
हम पावल, तोरासबके सामने डरपोक चियै, महज दुर रहैबेर हम तोरासब परती साहसी हैचियै कैहके तोरासबके बिचमे हल्ला चललछै कहाने। खिरिस्टके नम्रता आ दयासे हम तोरासबके बिन्ती करैचियौ कि,
कि हमरा आ बरनाबासके मातरे पेट पालैके लेल काम करैले परतै?
हमसब बिना टकाके ककरो खाइबला चिज नै खेलियै। बल्की दिन-रात दुख सहैत आ पसेना चुबाइत मेहनत करलियै ताकि तोरासबमेसे ककरो उपर भार नै परे।
तोरासबके थाहे छौ कि, हम आपन हाथके मेहनतसे आपन आ सङे रहैबला सङिसबके जरुरत पुरा करलियै।
यदि तोरासबसे औरो परचार करैबलासब मुनासिब हकके दाबी करैछौ त कि हमरासबके झन बेसी हक नै छै? महज यि हक हमसब उपयोग नै करनेचियै। खिरिस्टके सुसमाचार सुनाबैले कोनो बाधा नै हेबे कैहके सबकुछ सैहके रहैचियै।
हम कोनो लोकके सोना-चानी या बस्तरसबके लोभ नै करलियै।
हम पावल, येसु खिरिस्टके दास, यि चिठी लिखैचियौ। परमेस्वर हमरा परेरित हैले बोलाइल्कै आ ओकर सुसमाचार परचार करैले अलग करने छै।
जब हम तरोआस सहरमे खिरिस्टके बारेमे सुसमाचार परचार करैले एलियै तब परभु हमर लेल दुवार खोइलदेने छेलै।
तब हमसब तोरासबसे दुर-दुरके ठामसबमे सेहो सुसमाचार परचार करैले सक्बै, कथिलेत दोसरके काम करल ठाममे ज्याके हमसब काम करनेचियै कैहके घमन्ड करैले नै चाहैचियै।