22 कि उसब हिबरु चियै? हँ हम्हु चियै। कि उसब इजराएली चियै? हँ हम्हु चियै। कि उसब अबराहमके खानदानके चियै? हँ हम्हु चियै।
जलम भेलाके आठम दिनमे हमर खतना भेलै। हम इजराएल जातिके, बेन्यामिन कुलके खाटी हिबरु चियै। बेबस्थाके बिसयमे कहबै त हम एक फरिसी चियै।
ओहैसे आब हम तोरासबके कहैचियौ, “कि परमेस्वर आपनेसे छानल इजराएलीसबके त्यागने छै त?” कहियो नै! कथिलेत हम्हु एक इजराएली आ अबराहमके बंसमे जलमल बेन्यामिन कुलके चियै।
उसब इजराएली चियै आ परमेस्वर ओकरासबके आपन बेटा-बेटीसब बनेल्कै। उ आपन महिमा ओकरासबके परकट करल्कै। ओकरासबसङे करार बानहल्कै, बेबस्था देल्कै आ आराधना करैले सिखेल्कै। उसब ओकर परतिग्या पाबल्कै।
तब पावल कहल्कै, “हम किलिकियाके टारसस सहरमे जलमल यहुदी चियै, महज हमर अहै यहुदी सहरमे गुरु जी गमलिएलके चरनमे सिक्छा-दिक्छा भेलै। हमसब पिते-पुरखासे मानैत ऐल धरमसास्तरके सिक्छा हम असलसे सिख्ने चियै। आइ अहाँसब परमेस्वरिय सेबा परति जतहेक उत्साह देखेने चियै, हम्हु ओतबेहेक उत्साह देखेने रहियै।
‘हमसब अबराहमके सन्तान भेलासे बाँच्बै’ कैहके नै सोच। कथिलेत हम तोरासबके कहैचियौ, परमेस्वर यि पथलोसे अबराहमके खातिर धियापुता जलमा सकैछै।
जब बिस्बासीसबके संख्या बरहै छेलै, तब हिबरुसबके बिरोधमे गिरिक यहुदीसब बताबती करे लाग्लै, कथिलेत दिन-दिने खाइबला चिजसब बाँटै बखत ओइसबके बिधवासब आबसेक्ता बमौजी नै पाबैछेलै।
परमेस्वर, अबराहम आ ओकर सन्तानसे करल परतिग्या अहिनङे छेलै। पबितर धरमसास्तरमे द्याल उ परतिग्या “बहुतो सन्तानसबके” लेल नै, महज “एक गोरेके” लेल मातरे छेलै आ उ दोसर कोइने चियै, उ त केबल खिरिस्ट चियै।