14 यि कोनो अचमके बात नै चियै, कथिलेकी सैतानो चम्कैबला स्वरगदुतके जखा भेस धारन करैछै।
महज हमसब तोरासबके परचार कैरसकल सुसमाचारसे उल्टा सुसमाचार यदि हमरासबमेसे कोइ या कोनो स्वरगदुते परचार करैछै त, उ लोक सरापित हेबे।
ताकी सैतान हमरासबके फसाबैके मौका नै पाबे, कथिलेकी ओकर जुक्तीके बिसयमे हमसब अनजान नै चियै।
जनङ सैतान साँपके रुप ल्याके चलाकिसे हब्बाके ठगल्कै, ओहिनङ खिरिस्ट परती तोरासबके इमान्दारी आ सुध भक्तीसे तोरासबके मन बहकतौ कि हमरा तकर डर लागैये।
अहिनङे उ अजेगर, जे पहिन्का साँप चियै, जकर नाम दुस्ट आत्मा आ सैतान सेहो चियै, जे पुरे सन्सारके भरमाके राखने छेलै, ओकरा आ ओकर दुतसबके सङे स्वरगसे पिरथिबीमे फेक्नेछेलै।
कथिलेत अपनासबके लराइ देह आ लहुके बिरोधमे नै महज सासकसबके बिरोध, सक्तिसबके बिरोध, अखुन्का अन्हार जुगके सन्सारिक सासकसब आ स्वरगके ठामसबमे भेल दुस्ट आत्माके सेनासबके बिरोधमे चियै।
ओकरलेल परमेस्वर पिताके खुसीसे धन्यबाद दहै। परमेस्वरके इजोतके राजमे खिरिस्टके पबितर जनसबके पाबैबला बात तोरोसबके पाबैले सकैबला बनाइनेछौ।
वह्या अपनासबके अन्हारके सक्तीसे छुटकरा द्याके आपन दुलरुवा बेटाके राजमे आन्ने छै।