5 परमेस्वरके सत ग्यानके बिरोधमे उठैबला बहस आ घमन्डसे भरल बाधाके हमसब नास करैचियै आ सब खराब बिचारके खिरिस्टके आग्यापालन कराबैले बसमे करैचियै।
कथिलेकी परमेस्वरके बचन त जिबित आ काम करैबला चियै आ कोनोभी दुइ दिसन धार भेल तलबारसे बेसी चोख रहैछै। जनङ परान आ आत्माके भितर पुइगके अकर जोरनी आ हड्डी भितरके गुदीसबके भाग-भाग करैतक वार-पार करैछै, तहिनङ परमेस्वरके बचन लोकसबके हिरदयके बिचार आ चाहनाके एक-एक कैरके जाँच करैछै।
महज हमर देहमे कोनो दोसर नियम काम करैत थाह पाबैचियै। उ पापके नियम हमर आपन मनसे चाहना करल नियमके बिरोधमे उठैछै आ हमरा पापके दास बनाइछै।
कथिलेत हिरदयेसे खराब बिचार, हतिया, पर-इस्तरी गमन, अनैतिक देहके समबन्ध, चोरी, झुठा गबाही आ निन्दा करैबला बातसब बाहर निकलैछै।
कथिलेत उसब परमेस्वरके चिन्हीयोके ओकरा आदर नै करल्कै, नै त धन्यबाद देल्कै, महज उसब आपन बिचारमे बेकम्मा भेलै आ ओइसबके मुरुख हिरदय औरो अन्हारसे भरलै।
कथिलेत परमेस्वरके अगा सन्सारके बुइध त मुरुख बात चियै। जनङ पबितर धरमसास्तरमे लिखल छै, “उ बुधिमानसबके ओइसबके चतुराइमे पकरैछै।”
कथिलेकी पबितर धरमसास्तरमे परमेस्वर एहेन कहनेछै, “हम बुधिमान लोकके बुइध नास कैरदेबै आ चतुरसबके चतुराइ भङ कैरदेबै।”
अनङकैरके परमेस्वर ओकरा सिध बनेलाके बाद ओकर आग्यापालन करैबला सबके लेल उ अनन्ततक रहैबला मुक्तीके मुल बन्लै।
आब तुसब सतके माइनके आपन मन सुध कैरलेने चिही तहैलेल एक दोसर कोनो छलकपट नै कैरके भाइ-भैया आ दिदी-बहिन जखा परेम कर। हिरदयसे एक दोसरके परेम कर।
उ ब्यबस्था भङ करैबला लोक परकट हेतै। जकरा परभु येसु आपन मुहके एक साँसमे नास करतै। परभु येसुके आपन आगमनके चमकके तेजसे ओकरा नास करतै।
उ आपन बाइहके तागत परगट करने छै। उ हिरदय भितरके बिचारमे घमन्ड करैबलासबके तितर-बितर कैरदेनेछै।
बेबस्था भङ करैबला लोक आपने बरका भ्याके लोकसब परमेस्वर मानैबला सब चिजसबके आ पुजा-पाठ करैबला सब चिजके बिरोध करतै। उ त परमेस्वरके मन्दिरमे बैठके उ आपनेके परमेस्वर चियै कहतौ।
तुसब खिरिस्टके सुसमाचारमे बिस्बास कैरके आग्याकारी भेल बात आ तोरासबके खुल्ला हिरदयसे देल दानसे परमेस्वरके महिमा हेतै। यि सेबाके कामसे तुसब केहेन चिही कैहके लोकसबके परमानित हेतौ।
अकर बारेमे अनन्त परमेस्वरके आग्या अनुसार अगमबक्तासबके लिखल बात सब जातिके लोकसब लग अखुन परकट भेल छै ताकी उसब बिस्बास करे आ ओकर आग्या पालन करे।
अपनासबके परभु येसु खिरिस्ट दुवारा परमेस्वर अपनासबके अनुगरह कैरके परेरित बनेल्कै। सब जातीके लोकसब बिस्बास करे आ ओकर कहल बात माने कैहके हमरा ओकर नाउमे पठाइनेछै।
परमेस्वर पिता आपन पहिनेके योजना अनुसार तोरासबके छानल्कौ आ आपने पबितर आत्मासे पबितर बनेल्कौ। येसु खिरिस्टके आग्यापालन करैले आ ओकर लहुके छिटकासे सुध हेबे कैहके उ तोरासबके छानल्कौ। परमेस्वरके अनुगरह आ सान्ती तोरासबमे परसस्त हेबे।
कथिलेकी कोइ तोरासबके दास बनाइछौ, तोरासबके सोसन करैछौ, तोरासबसे फाइदा उठाइछौ, तोरासबके अगा धाख लगाइछौ आ तोरासबके गालमे थपराइछौ तैयो तुसब सब सहैचिही।
तब लोकके समझसे बाहर रहल परमेस्वरके सान्तीसे तोरासबके हिरदय आ मनके खिरिस्ट येसुमे रक्छा करतौ।