4 हमरासबके हाथ-हथियार त सन्सारके नै छै, महज हमरासबसङे परमेस्वरके सक्तिसाली हाथ-हथियार छै, जै हाथ-हथियारसे सैतानके सक्तिके खतम कैरदैछै आ बेकारके बाद-बिबादके नास कैरदैछै।
सत खबर परचार कैरके परमेस्वरके सक्तीसे हमसब काम करैचियै। लराइ करैबला हाथ-हथियार देहना हाथमे आ आपनके रक्छा करैबला हाथ-हथियार बमा हाथमे बोकैचियै। उ एकेटा हाथ-हथियार धारमिकता चियै।
ताकि तोरासबके बिस्बास लोकके बुइधमे नै, महज परमेस्वरके सक्तीमे अरल रहे।
हमर बेटा तिमोथी, तोहर बारेमे पहिने करल अगमबानी बमौजी हम तोरा यि कहैचियौ कि तु सब बात पालन कर ताकि निडर भ्याके उतम लराइ लरैले सकबिही।
रात बितगेलै आ दिन नजदिक आइबगेल छै। तैल्याके अपनासब अन्हारमे करैबला खराब काम छोइरके इजोतमे करैबला असल काम करैले तैयार रह।
महज अपनासब दिनके धियापुता भेलाके कारन, चौकल रह। अपनासब बिस्बास आ परेमके कबच लगा आ मुक्तीके आसाके टोपी पिन्हके होसियार रह।
यि महान सक्ती हमरासबके नै महज परमेस्वरके चियै कैहके परस्ट करैके लेल यि धन माटीके बरतनमे अरथात अपनासबमे छै।
आपन देहके अंगसबके दुस्टताके साधनके रुपमे पाप करैले नै सोप, महज मिरतुसे जिबनमे आनल लोकसबके जखा अपनाके परमेस्वरमे सोप आ परमेस्वरके असल कामके लेल आपन देहके अङसबके सोप।
कोनोभी बात हमरासबके तरफसे एलछै कैहके हमसब दाबी करैके योग्यके नै चियै, महज हमरासबके योग्यता परमेस्वरसे आबैछै।
बिस्बासके कारनसे इजराएली लोकसब सात दिनतक यरिहो सहरके देबालके चारुकात घुमलै त उ देबाल ढैहगेलै।
येसु खिरिस्टके असल सिपाही जखा हमरासबकेसङे दुख भोग।
अहिनङे मिसरीके सब परकारके सिक्छा मोसाके दैतरहै आ मोसा बचन आ काम दुनुमे सक्तिसाली हैतगेलै।
हम तोरासबसे दुर भेल बखत यि लिखैचियौ, ताकि तोरासबलग एबौ त परभुके देल अधिकारके करासाथ परयोग करैले नै परे। यि अधिकार तोरासबके बिगारके लेल नै महज सुधारैके लेल हमरा देनेछै।
आपने खचरमे के सिपाहीके काम करैछै? के अङगुर खेती लग्याके ओकर फल खाइले नै पाबैछै? के गाइ-माल पाइलके ओकर दुध पियैले नै पाबैछै?
परभुके देल हमरासबके अधिकारके बारेमे हम बरका बरका बात करबै तैयो लाजमे नै परबै, कथिलेकी यि अधिकार तोरासबके बिगार करैके लेल नै महज सुधारके लेल चियै।