10 कतहेक लोक कहैछै, “पावलके चिठीसब गम्भीर आ करा हैछै, महज उ आपने हैतकाल कमजोर हैछै आ ओकर बोली कोनो महत्वके नै हैछै।”
कथिलेत बप्तिस्मा दैले नै महज सुसमाचार परचार करैके लेल खिरिस्ट हमरा पठेल्कै। हम परचार करैतखिना सन्सारके चलाक ग्यानसे नै करलियै, नै त खिरिस्टके कुरूसके सक्ति बेरथ हेतियै।
हम बोलैमे फरहर लोक नहियो चियै त ग्यानमे कमके नै चियै। यि बात हमसब तोरासबके हर परकारसे साफ-साफ देख्यादेनेचियौ।
हम पावल, तोरासबके सामने डरपोक चियै, महज दुर रहैबेर हम तोरासब परती साहसी हैचियै कैहके तोरासबके बिचमे हल्ला चललछै कहाने। खिरिस्टके नम्रता आ दयासे हम तोरासबके बिन्ती करैचियौ कि,
सन्सारके लोकसब आपन बुइधसे परमेस्वरके चिन्हैले नै सक्लै, तैल्याके उ आपन बुधिमानी योजना अनुसार अपनासबके परचार करल मुरुख बातसबसे बिस्बास करैबलासबके बचाइले चाहल्कै।
हम चिठीसब लिखके तोरासबके डर देखाइले नै चाहैचियौ।
ओहेन लोकसब यि बात बुझे कि, हमसब दुर रैहके चिठीमे जे लिखके पठाबैचियै, तोरासबके बिचमे हैतकाल ओह्या काम करैचियै।
हमरा ओइसबके जखा बेबहार करैले लाज हैये से बात हमर कमजोरी चियै कैहके सुइकारै चियै। महज कोनो लोक कुछ बातमे घमन्ड करैछै त, हम्हु ओइ बातमे घमन्ड करैचियै। हँ हम मुरुख जखा बोइलरहल चियै।
ओइ बखत खिरिस्ट हमर दुवारा बोलैछै कि नै बोलैछै कैहके तुसब परमान भेटाइबिही। तोरासबसङे काम करैतखिना उ कमजोर नै महज सक्तिसाली छै।