4 परमेस्वरसे पाबलहा सान्तबनासे हमसब दुखमे परलहासबके सेहो सान्तबना दैले सकि कैहके उ अपनासबके सब दुखमे सान्तबना दैछै।
ओहै लेल तुसब एक दोसरके उत्साह दहै आ बिस्बासमे बलगर बना, जनङ तुसब करैत आइबरहल चिही।
अहैलेल थाकल हाथसब उठा आ दुरबल ठेहुनाके बौकार बना।
हम तोरासबके टुगर बनाके नै छोरबौ, हम फेनो तोरासबके लग एबौ।
हम पितासे बिन्ती करबै आ उ तोरासबसङे सबदिन रहैके खातिर एक गोरा सल्लाह दैबला पठाइतौ।
महज पिता हमर नाममे पठाइबला सल्लाहकार पबितर आत्मा तोरासबके सब बात सिखाइतौ आ हमर कहल सब बात तोरासबके मन पाइरदेतौ।
अहैलेल यि बातसबसे एक दोसरके उत्साह दैत रह।
अहैकारन हमरासबके सान्तबना मिललछै। हमरासबके भेटल आपने सान्तबना बाहेक तितसके आनन्दमे हमसब बेसी रमाहट भेलियै, कथिलेकी तोरासबके बेबहारसे ओकर मनके सान्ती मिललछै।
हम जहलमे परलाके कारन बहुतो भाइ-भैयासब परभुमे साहसी भेलछै आ परमेस्वरके बचन निडर भ्याके परचार करैले साहस पाबनेछै।
तोरासबमे हमरा पुरा भरोसा छै। हम तोरासबमे एकदमे गर्भ करैचियौ। हम तोरासबसे पुरा रुपमे उत्साह पाबने चियौ आ कस्टोसबमे हम बहुत आनन्दित चियौ।